आय सं मुजफ्फरपुर रेलवे स्टेशन के प्लेटफॉर्म संख्या 2 पर रेलक परिचालन बंद

    0
    333

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: एप्रोन कार्यक लेल मुजफ्फरपुर रेलवे स्टेशन के प्लेटफॉर्म संख्या 2 पर ट्रेनक परिचालन चालीस दिनो धरि बंद कय देल गेल अछि। बृहस्पति दिन कार्यक लेल ब्लॉक देल जायत। क्षेत्रीय अधिकारी जेपी त्रिवेदी नियमित ट्रेनक लेल योजना तैयार केलन्हि अछि। जाहि के लेल सोनपुर मंडल स एकटा शिफ्ट मे एक टीआइ, सब शिफ्ट मे लोको इंस्पेक्टर, पार्सल वैन स लोडिंग अनलोडिंग के लेल वाणिज्य इंस्पेक्टर आ एकटा अतिरिक्त इंजन, सब शिफ्ट मे इंजन के जोड़बाक लेल तथा हटेबाक लेल शंटर मैनक तैनात करबाक मांग कायल गेल अछि।

    अहि के संग जंक्शन स्थित कोचिंग डिपो, वाणिज्य, परिचालन, बिजली तथा अन्य विभागक कर्मी के तैनात रहबाक आग्रह कायल गेल अछि। एम्हर, एप्रोन कार्यक लेल शुक्रदिन स चालीस दिन तक मुजफ्फरपुर स सियालदह जाय वाल सियालदह फास्ट पैसेंजर मुजफ्फरपुर तथा बरौनी के बीच रद्द रहत। ई ट्रेन बरौनी स सियालदह के लेल रवाना होयत।

    समस्तीपुर रेलमार्गक छोट स्टेशन स यात्रा करय वला यांत्रिक परेशानी के सामना करय पडत। अहि के संग बरौनी स नई दिल्ली जाय वला सुविधा एक्सप्रेस 18 नवंबर तथा नई दिल्ली स आबय वला सुविधा एक्सप्रेस 19 नवंबर क, दरभंगा स नई दिल्ली जाय वला सुविधा एक्सप्रेस 17 नवंबर क आ नई दिल्ली स दरभंगा जाय वला सुविधा एक्सप्रेस 18 नवंबर क रद्द रहत। रेलवे अधिकारी के अनुसार रदद् होबय वला सुविधा एक्सप्रेस स यात्रा करय वला यात्री टिकट वापस करवा सकैत छथि।