समस्तीपुर मे प्रेस क्लब तैयार, सप्ताह भरि मे होयत अधिग्रहण

    0
    253

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर जिला सूचना भवन मे बुधदिन ‘राष्ट्रीय प्रेस दिवस’ के आयोजन कायल गेल। अहि अवसर पर आयोजित संगोष्ठी के संबोधित करैत जिला सूचना एवं जनसंपर्क पदाधिकारी प्रमोद कुमार प्रेस दिवस के महत्व, उद्देश्य एवं प्रासंगिकता पर प्रकाश देलनि।

    प्रमोद कुमार प्रिंट एवं इलेक्ट्रानिक मीडिया स्वतंत्र, निष्पक्ष एवं निर्भिक अभिव्यक्तिक सराहना केलनि। ओ कहलनि जे, जिलाक प्रेस भवन बनि कय तैयार अछि। एक सप्ताह के भीतर भवन के सूचना एवं जनसंपर्क विभाग के उपलब्ध करा देल जायत।

    राष्ट्रीय प्रेस दिवस पर चर्चा करैत ओ कहलनि जे, अझुका दिन स्वच्छ तथा निष्पक्ष पत्रकारिताक प्रति संकल्प लेबाक दिन अछि। अहि मौक़ा पर गौरीशंकर झा, विनोद कुमार गिरि, रमेश शंकर राय, अमृता कुमारी, ओमप्रकाश राय आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि।