बिहारक ‘सिंघम’ शिवदीप लांडे’क तबादला

    0
    274

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक ‘सिंघम’ कहय जाय वला आईपीएस अधिकारी शिवदीप लांडेक वर्दी मे रबाब आब बिहार मे नहि देखायत। शिवदीप अगिला तीन सालक लेल महाराष्ट्र मे सेवा देताह। पुलिस विभाग मे काज करैत शिवदीप लांडे कड़क आ ईमानदार छविक रूप मे अप्पन पहिचान बनौने छलाह।

    शिवदीप के पटना रोहतास आ अररिया जिला मे बतौर एसपी काज करबाक मौक़ा भेटल छल। जाहि मौक़ा के शिवदीप कुशलता सं निर्वहन केलनि। शिवदीप के रवैया सं अपराधी थरथरा जाइत छल। सूत्रक अनुसार शिवदीप लांडे के ससुर महाराष्ट्र सरकार मे मंत्री छथि।

    शिवदीप महाराष्ट्र कैडर मे सेवा देबाक इच्छा व्यक्त केने छलाह। केंद्र सरकारक पत्र के आलोक मे बिहार सरकार शिवदीप के महाराष्ट्र मे योगदान दय क गृह विभाग के सूचित करबाक लेल कहलक अछि। शिवदीप वामन राव लांडे फिलहाल एसपी के तौर पर काज कय रहल छलाह।