दरभंगा सैन्य हवाई अड्डाकेँ यात्री हवाई अड्डामे परिवर्तित करबाक भेल शिलान्यास, बाबा विद्यापतिक नाम पर राखल जाएत नाम

0
5278

दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा सैन्य हवाई अड्डाकेँ 24 दिसंबर 2018 सोमदिन नागरिक हवाई अड्डाक रूपमे परिवर्तित करबाक काजक शिलान्यास केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री सुरेश प्रभु, नागरिक उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा, मुख्य मंत्री नीतिश कुमार, उप मुख्य मंत्री सुशील मोदी सहित अन्य नेतागण द्वारा सम्पन्न भेल। नागरिक उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा दरभंगा हवाई अड्डाक नाम बाबा विद्यापतिक नाम पर रखबाक घोषण कएलनि जकरा बिहारक मुख्यमंत्री प्रसन्नचित्त भ’ अनुमोदित कएलनि। मुख्यमंत्री कहलनि जे मिथिलाक विशाल भूभाग लेल दरभंगा हवाई अड्डा वरदान सिद्ध होयत आ मिथिलाक हजारों वर्ष पुरान सभ्यता-संस्कृतिकेँ वैश्विक स्तर पर सहजतासँ राखल जा सकत। अपने लोकनिकेँ बतादी जे दरभंगा हवाई अड्डाकेँ उड़ान योजनाक तहत जोड़ल जा रहल अछि। एक मासक भीतर मिथिलावासीकेँ नरेन्द्र मोदी संचालित केंद्र सरकार द्वारा देल गेल ई दोसर उपहार अछि।

करीब 100 करोड़ रुपैयाके लागतसँ बनि रहल ई टर्मिनलक निर्माण जून मास तक पूर्ण होयबाक उम्मीद कएल जा रहल अछि। दरभंगा सिविल एयरपोर्ट बिहारक दोसर पैघ एयरपोर्ट हैत। पहिल चरणमे दरभंगा एयरपोर्टसँ दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरुकेँ लेल विमान सेवा शुरू होयत। अखनि एतयकेँ रनवे छोट बनाओल जा रहल अछि, मुदा बादमे एकर आओर विस्तार होयत। रनवे बढ़ेवा लेल 31 एकड़ जमीन चिह्नित कएल गेल अछि। एहि मौका पर केंद्रीय मंत्री सुरेश प्रभु कहलनि जे अगिला साल जुलाई धरि एतयसँ विमान सेवा शुरू भ’ जायत। शिलान्यास कार्यक्रमक दौरान केंद्रीय विमानन मंत्री सुरेश प्रभु, केंद्रीय राज्य मंत्री जयंत सिन्हा, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी, केंद्रीय मंत्री राम कृपाल यादव, दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद , विधायक संजय सरावगी, डॉ. फराज फातमी मौजूद छलाह। दरभंगा एयरपोर्ट शुरू हेबासँ मिथिलाक विभिन जिलाक लोक सभकेँ बहुत बेसी फायदा होयत संगे विकासक एकटा नव मार्ग सेहो प्रशस्त्र होयत।