दरभंगा एयरपोर्ट रनवेकेँ शिलान्यासक अवसर पर स्थानीय सांसद कीर्ति आजादक’ समर्थक कएलनि हंगामा

0
3787

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा एयरपोर्ट रनवेकेँ 24 दिसंबर, 2018 सोमदिन नागरिक हवाई अड्डाक रूपमे परिवर्तित करबाक शिलान्यास केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री सुरेश प्रभु, नागरिक उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा, मुख्यमंत्री नीतिश कुमार, उप मुख्य मंत्री सुशील मोदी सहित अन्य नेतागण द्वारा सम्पन्न भेल। शिलान्यासक कार्यक्रममे केंद्रीय मंत्री राम कृपाल यादव, दरभंगाक स्थानीय सांसद कीर्ति आजाद, नगर विधायक संजय सरावगी, आ केवटी विधायक सेहो मौजूद छलाह। एहि क्रममे स्थानीय सांसद कीर्ति आजाद सेहो मंच पर पहुँचलनि। मुदा हुनका उचित सम्मान नहि भेटलनि एहन तरहक आरोप भाजपासँ निष्कासित सांसद कीर्ति आजाद लगौलनी अछि।

कीर्ति आजाद समर्थक कीर्ति सेना स्थानीय सांसदकेँ उचित सम्मान नहि भेटबाक कारण हंगामा कएलनि। समर्थक लोकनिकेँ आरोप छनि जे स्थानीय सांसदकेँ मंचसँ बजबाक अवसर नहि देल गेल। कीर्ति आजाद मीडियासँ बात करैत बिहार सरकार पर आरोप लगबैत कहला जे अखनि धरि राज्य सरकार एयरपोर्टकेँ मादे कोनो तरहक मददि नहि कएलनि, मुदा क्रेडिट राज्य सरकार ल’ रहल अछि। जखनि की पूरा क्रेडिट हमरा भेटबाक चाहि। हमर मेहनतक परिणाम अछि जे आई दरभंगामे एयरपोर्ट बनि रहल अछि। ई पूराकेँ पूरा चुनावी स्टंट अछि आओर किछु नै। ईहो पर हमरा कोनो आपत्ति नै मुदा एकटा सांसदकेँ जे सम्मान भेटबाक चाहि ओहो नै देल गेल। इ अपमान नै त’ की थिक? ओतहि सांसदसँ छोट होइत छैक विधायक, मुदा हुनका हमरासँ बेसी सम्मान कोना देल गेल। येह सभ देखि हमर समर्थक हंगामा कएलनि त’ हुनका लोकनिकेँ गिरफ्तार क’ लेल गेल। हम जा रहल छी थाना ज’ हुनका सभकेँ नै छोड़ल गेल त’ हम धरना-प्रदर्शन करब, जेल जायब मुदा हम अपन कार्यकर्ता सभकेँ एहि स्थितिमे नै छोड़ी सकैत छी। जनता जनार्दन होइत छैक आवय वला चुनावमे एकर फल देखबाक भेटत।