नै रहलाह पूर्व मंत्री कैप्टन जयनारायण निषाद

0
754

दिल्ली, मिथिला मिरर:  पूर्व केंद्रीय मंत्री कैप्टन जयनारायण प्रसाद निषाद 24 दिसम्बरकेँ भोरमे दिल्लीक एकटा निजी अस्पतालमे अंतिम साँस लेलनि। हुनक मृत्युसँ बिहारमे शोकक लहरि अछि। कैप्टन निषाद 11 दिसंबरकेँ भोरमे टहलबाक क्रममे खसि पड़ल छलाह जाहिसँ हुनका माथामे चोट लागि गेल रहनि आ तहियेसँ बीमार छलाह। वर्तमानमे मुजफ्फरपुरक सांसद, हुनक पुत्र अजय निषादकेँ मुताबिक अंतिम संस्कार हाजीपुरमे गंगा तट पर कएल जायत। भेटल जानकारीकेँ मुताबिक बीतल 11 दिसंबरक भोरमे टहलबाक क्रममे कैप्‍टन जयनारायण निषाद खसि पड़ल छलाह। एहिसँ हुनका माथमे गंभीर चोट लागि गेल रहनि। हुनका इलाजक लेल पटनाक’ एकटा निजी अस्पतालमे भर्ती कराओल गेलनि। हालाँकि बादमे बेहतर इलाजक लेल दिल्लीक मैक्स अस्पतालमे भर्ती कराओल गेलनि। ओतहि 24 दिसम्बरकेँ भोरमे हुनक निधन भ’ गेलनि।

प्रधानमंत्री मोदी, सीएम नीतीश सहित अनेको नेता लोकनि जतौलनि शोक
प्रधानमंत्री मोदी ट्विटर पर ट्विट कएलनि जे कैप्टन निषाद एकटा कुशल राजनेता छलाह। ओ बिहारक विकास लेल अपन जीवन समर्पित क’ देलनि। हुनका द्वारा गरीबक उत्थान लेल कएल गेल काजकेँ देश सदिखन याद करत। हुनक परिवारकेँ दुखक एहि घडीमे हिम्मत भेटनि इ भगवानसँ प्रार्थना करैत छी।

कैप्‍टनक निधन पर शोक जतबैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे कैप्‍टन जयनारायण निषाद राजनीतिमे अपन सुचिता आ सरल हृदयकेँ लेल जानल जाइत छलाह। हुनक निधनसँ सामाजिक आ राजनीतिकेँ क्षेत्रमे अपूरणीय क्षति भेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे कैप्टन निषादक अंतिम संस्कार राजकीय सम्मानक संग संपन्‍न होयत।

राजद नेता तेजस्वी यादव, रालोसपा अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा, बिहार प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष मदन मोहन झा सहित हिंदुस्‍तानी अवाम मोर्चाक सुप्रीमो आ पूर्व मुख्‍यमंत्री जीतनराम मांझी सेहो शोक व्‍यक्‍त करैत कहलनि जे कैप्टन सदिखन गरीब आ वंचित समाजकेँ मददि करैत छलाह। ओ गरीबक आवाज़ छलाह। हुनक निधनसँ वंचित समाजकेँ अपूरणीय क्षति भेल अछि।