कुंभ मेलामे फेर लागल आगि, बाल-बाल बचलाह बिहारक राज्य्पाल

0
455

प्रयागराज/ पटना, मिथिला मिरर : उत्तर प्रदेशक प्रयागराजमे चलि रहल रहे कुंभ मेलामे मंगलदिन राइतमे एकबेर फेर आगि लागी गेल। एहि बेर देखिते-देखिते आगि 3टा वीआईपी टेंटकेँ अपन चपेटमे ल’ लेलेक। एतहि एकटा टेंटमे बिहारक राज्यपाल लालजी टंडन सेहो रुकल छलाह। आगजनीक घटनाकेँ बाद ओतय मौजूद सुरक्षाकर्मि लोकनि शोर मचेलाह आ एकरा बाद लालजी टंडनकेँ सुरक्षित बाहर निकाली लेल गेल। हालाँकि एहि दौरान हुनक मोबाइल आ अन्य सामान सभ जरि गेल। सीएफओ प्रमोद शर्मा कहलनि जे जाहि टेंटमे लालजी टंडन रुकल छलाह हुनका बगल वला टेंटमे आगि लागल छल आ देखिते- देखिते आगि लालजी टंडनक कैंप धरि पहुँचि गेल। मौका पर पहुँचल दमकल कर्मी आगि पर काबू पाबि लेलनि। आगि कोना आ कोन परिस्थितिमे लागल एकर जाँच कएल जा रहल अछि। हालाँकि भेट रहल जानकारीकेँ मुताबिक आगि शार्ट सर्किटकेँ कारण लागल छल। बतादी जे जाहि समयमे आगि लागल छल राज्यपाल नींदमे सुतल छलाह। अचानक लागल आगिमे हुनकर घड़ी, मोबाइल आ किछु अन्य समान सेहो जरी गेल। हालाँकि राज्यपाल लालजी टंडनकेँ सुरक्षित निकाली सर्किट हाउस पहुँचा देल गेल।

जनतब होयत जे एहि घटनासँ पूर्व सेहो कुंभ मेलामे 19 जनवरीकेँ अचानक ओहि समय हलचल मचि गेल छल जखन टेंटेड सिटीमे आगि लागी गेल छल। अधिकारी लोकनिकेँ मुताबिक सेक्टर 13 मे एकटा टेंटमे आगि लगला पर समय रहैत काबू पाबि लेल गेल छल। 15 जनवरीकेँ कुंभ मेला शुरू होयबासँ पहिने टेंटमे भीषण आगि लागल छल। जाहिकेँ बाद श्रद्धालु सभमे अफरा-तफरी मचि गेल छल। 10टा टेंट जरल छल। तकरा बाद सुरक्षा व्यवस्था पर प्रश्न ठाढ़ भ’ गेल छल।