सुगौली सीतामढ़ी मुजफ्फरपुरक रस्ते पाटलिपुत्र तक चलत नवका डीएमयू ट्रेन

0
455

सीतामढ़ी, मिथिला मिरर : बिहारमे विकास होइत देखा रहल अछि। एहि क्रममे रेलवे सेहो अपन विस्तार क’ रहल अछि। रेलवे सुगौली वासिक लेल एकटा नव ट्रेनक तोहफा देलक अछि। ओना जँ बात करी सफरमे तँ सभसँ बेसी आराम दायक आ सुरक्षित सफर रेलकेँ मानल जाइत अछि। सुगौली-रक्सौल-सीतामढ़ी-मुजफ्फरपुरकेँ रस्ते पाटलिपुत्र लेल नवका डीएमयू ट्रेन चलेबाक फैसला रेलवे केलक अछि। एहि रेलखंडक यात्री बहुत पहिनेसँ पाटलिपुत्र अर्थात पटनाक लेल ट्रेनक माँग क’ रहल छल। नवका ट्रेन चलेबासँ यात्रि सभके सहूलियत होयत। रेलवे एहि नवका ट्रेनक समय सारिणी सेहो जारी क’ देलक अछि। मुदा एहि गाड़ीक परिचालन कहियासँ होयत एकर तिथि निर्धारित नै कएल गेल अछि।

ट्रेन संख्या 75215/75216 सुगौलीपाटलिपुत्रक बीच चल डीएमयू

ट्रेन संख्या 75215/75216 डीएमयू ट्रेन सुगौलीसँ भोर 3:45 मे खुजलाक बाद दुपहर 1:30 बजे पाटलिपुत्र पहुँचत। ओतहि पाटलिपुत्रसँ दुपहरिया 2 बजे खुजलाकेँ बाद राइत 1:45 बजे सुगौली पहुँचत। सुगौलीसँ खुजलाकेँ बाद 15टा स्टेशन पर रुकैत पाटलिपुत्र पहुँचत। बतादी जे सुगौलीसं पटना धरि कोनो सीधा ट्रेन नै छल जाहि सं एहि इलाकाक लोक सभके परेशानी होइत छलनि।