पूर्णियासँ जल्दीए शुरू होयत हवाई सेवा

0
890

पूर्णिया, मिथिला मिरर : दरभंगा हवाई अड्डाक बाद आब जल्दीए पूर्णियासँ सेहो हवाई सेवा शुरू भ’ सकैत अछि, जे मिथिलाक विकासमे महत्वपूर्ण योगदान देत। दरभंगा एयरपोर्ट रनवेक शिलान्यास कार्यक्रममे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा कएल गेल घोषणाक आधार पर पूर्णिया हवाई अड्डासँ उड़ान शुरू होयवाक सपना जल्दीए पूरा भ’ सकैत अछि, एहन उम्मीद कएल जा रहल अछि। दरभंगा एयरपोर्ट सिविल एन्क्लेवक शिलान्यास करैत नीतीश कुमार कहलनि जे पूर्णियासँ सेहो जल्दीए कॉमर्शियल उड़ान शुरू होयत। एहि लेल प्रयास शुरू भ’ गेल अछि। पूर्णियामे इंटरनेशनल एयरपोर्ट निर्माणक दिशामे काज चलि रहल अछि। चूनापुर सैन्य हवाई अड्डा परिसरमे एहि लेल तैयारी भ’ रहल अछि। मुदा जमीन अधिग्रहणक मामला अखनि धरि अटकल अछि। सुरक्षा दृष्टिकोणसँ सेहो कतेको सवाल उठाओल जा रहल अछि। आब जखन मुख्यमंत्री स्पष्ट संकेत देलनि अछि त’ हवाई सेवाक राहमे आबय वला सभ अड़चन जल्दीए दूर हेबाक आश जागल अछि।

सोशल इंपैक्ट एसेसमेंटक काज भेल शुरू

जनतब होयत जे पूर्णियामे हवाई अड्डा निर्माणक लेल सोशल इंपैक्ट एसेसमेंटक काज शुरू क’ देल गेल अछि। एसआइएक जिम्मा पटनाक तीनटा संस्थान एएन सिन्हा इंस्टीट्यूट, आद्री इंस्टीट्यूट आ चंद्रगुप्त प्रबंधन संस्थानकेँ देल गेल अछि। एसेसमेंट रिपोर्ट अगिला साल जनवरी मासक अंत धरि एबाक उम्मीद कएल जा रहल अछि। जाहिकेँ बाद हवाई अड्डाक लेल जमीन अधिग्रहणकेँ काज शुरू कएल जाएत। एसआइए रिपोर्ट भेटलाक बाद हवाई अड्डाक लेल 50 एकड़ आ संपर्क पथ लेल तीन एकड़ जमीन अधिग्रहण कएल जायत। जमीन अधिग्रहणक लेल राज्य सरकार फिलहाल 60 करोड़ रुपैया आवंटित क’ देलक अछि। पूर्णियामे हवाई सेवा शुरू करबाक लेल चूनापुर सैन्य हवाई अड्डाक विस्तार सेहो कएल जा रहल अछि। एहि सैन्य हवाई अड्डाक रनवेके सेहो बढ़ाओल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री द्वारा दरभंगामे देल गेल आश्वासनसँ जे पूर्णियासँ सेहो उड़ान सेवा लेल हर संभव मददि कएल जैत। एहि घोषणाक बाद एहन उम्मीद कएल जा सकैत अछि जे एयरपोर्ट निर्माणक दिशामे तेजी आओत।