धान खरीदमे सुपौल बनल अव्वल

0
491

सुपौल, मिथिला मिरर : बिहारमे धान खरीदक काज जोर-शोरसँ चलि रहल अछि। लगभग हरेक जिलामे धान खरीद कएल जा रहल अछि। किसान सभ अपन धानकेँ सरकारी केंद्र पर बेच रहल छथि। हालाँकि जिला सभमे किसानसँ धान खरीददारीमे कोनो ने कोनो समस्या सामने अबैत रहैत अछि। मुदा सुपौलमे पछिला 41 दिनमे 937 किसानसँ 4261.785 मिट्रिक टन धान खरीद सुपौल पहिल पायदान पर पहुँची गेल अछि। बिहार सरकार हरेक जिलाकेँ धान खरीदबाक किछु लक्ष्य देने अछि। जाहिमे सुपौल जिलाकेँ 66 हजार टन धान खरीद करबाक लक्ष्य देल गेल अछि। धान खरीदबाक लेल 112 पैक्स आ पाँचटा व्यापार मंडलकेँ अधिकृत केने अछि। शुरुआतमे धानक खरीदारी बहुत मध्यम गतिसँ चलि रहल छल मुदा बादमे सरकारक निर्देश पर धान खरीदमे आयल तेजीसँ जिला  अपन बेहतर प्रदर्शन क’ रहल अछि। एहि कारणसँ धान खरीदमे सुपौल अपन पड़ोसी जिला रोहतास आ कैमूरकेँ पाँछा छोड़ैत सुपौल राज्यमे पहिल स्थान पर पहुँच गेल। 24 दिसम्बरक’ जारी सहकारिता विभागक राज्य स्तरीय रिपोर्टकेँ मुताबिक सुपौलमे 117 खरीद केन्द्र पर अखनि धरि 4261.785 एमटी धान खरीद भेल अछि।

एम्हर, डीसीओ अरविंद पासवान बतौलनी जे धान खरीदमे तेजी आबि रहल अछि। राज्यमे सुपौल जिला नीक प्रदर्शन क’ रहल अछि। विभाग एहिमे आओर तेजी लयबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। एहि लेल  पैक्स आ व्यापार मंडल अध्यक्ष सभकेँ दिशा-निर्देश देल गेल अछि। हुनक कहब छनि जे सरकारक आदेश पर सभ दिन धान खरीदारीक ऑन लाइन इंट्री सेहो कएल जा रहल अछि। किसान सभमे खुशीक माहौल अछि। कोनो तरहक परेशानी हेबा पर सीधे अधिकारी लोकनिसँ बात कएल जा सकैत अछि। किसानकेँ हुनक धानके सरकार द्वारा निर्धारित समर्थन मूल्य देल जा रहल अछि जाहिसँ किसान संतुष्ट छथि।