जल्दिये शुरू होयत सहरसा-सरायगढ़क बीच ट्रेन सेवा

0
874

सहरसा/ मधुबनी मिथिला मिरर : रेलक विस्तार दिनोंदिन बढ़ी रहल अछि। एहिनमे मिथिला एहिसँ बाँचल नै अछि। मिथिलामे सेहो लगातार रेल विस्तारक योजना चलि रहल अछि। एहि क्रममे सहरसा-सरायगढ़ ब्रॉडगेज लाइनक आगामी फरवरी महिनामे सीआरएस निरीक्षण होयत। सीआरएससँ हरी झंडी भेटलाक बाद ट्रेनक परिचालन शुरू होयत। एहि साल मार्चमे सहरसा-सरायगढ़क बीच ट्रेन चलबैक योजना अछि। समस्तीपुर मंडलक डीआरएम आर.के जैन 21 जनवरीकेँ सहरसा स्टेशन पर चलि रहल एनआई आ आमान परिवर्तन निरीक्षणक बाद इ बात कहलाह। डीआरएम कहलनि जे एहि महिना इंटरलॉकिंगक काज शुरू होयत। सीआरएस द्वारा गढ़बरूआरी निरीक्षणक क्रममे बनमनखी बड़हरा कोठी रेलखंडक सेहो निरीक्षण करबाक संभावना अछि। डीआरएम कहलनि जे  नव निर्मित तीनटा प्लेटफार्मक निर्माण काज जल्दिये पूरा क’ लेल जायत। आब कुल पाँच प्लेटफार्म भेलासँ गाड़िकेँ परिचालनमे कोनो तरहक दिक्कत नै हेतैक। संगे कहलाह जे नवका बनल प्लेटफार्मकेँ नव व्यवस्थाक तहत नॉन इंटरलॉकिंग कएल जायत। एहिकेँ बाद नवका प्लेटफार्मसँ ट्रेन चलय लागत। भ’ सकैत अछि जे इंटरलॉकिंगकेँ दौरान सभटा ट्रेनक परिचालनमे विलंब होई। एहि दौरान दू-तीन दिनक लेल किछु ट्रेनकेँ रद्द कएल जा सकैत अछि। नॉन इंटरलॉकिंग काज पूरा भेला पर सरायगढ़ धरि काजक गति बढ़ी जायत। डीआरएम कहलनि जे वर्तमान समयमे सहरसा स्टेशन पर सौन्दर्यीकरण लेल तोड़फोड़ क सर्कुलेटिंग एरियाक विकास कएल जा रहल अछि। आबय वला समयमे सहरसा स्टेशन सुंदर स्टेशन बनत। फुट ओवरब्रिजकेँ 20 फीट चौड़ा कएल जा रहल संगे यार्डक री-मॉडलिंग चलि रहल अछि। पूर्णिया रूटमे सेहो ट्रेनक संख्या बढ़ाओल जायत।

डीआरएमकेँ निरीक्षणक दौरान सीनियर डीईएन थ्री मयंक अग्रवाल, सीनियर डीएसटीई अभिषेक कुमार, डिप्टी चीफ इंजीनियर डी एस श्रीवास्ताव, डीसीएम आशुतोष शरण, सहित अनेको वरिष्ठ अधिकारी मौजूद छलाह।

रेल अभियंता संग सांसद कएलनि समीक्षा

एक तरफ डीआरएम निरीक्षण करैत छलाह, त’ दोसर दिश सकरी निर्मली लौकहा आमान परिवर्तन काजक समीक्षा करबा लेल झंझारपुर सांसद वीरेंद्र कुमार चौधरी रेल अभियंता सभक संग एकटा बैसार कएलनि।  एहि बैठकमे एसी आशुतोष कुमार मिश्रा, एक्सक्यूटिव विकाश कुमार मिश्रा समेत कतेको अभियंता आ संवेदक शामिल भेलाह। सांसद कहलनि जे 31 मार्च धरि झंझारपुर रेलवे स्टेशन तक हर हालमे ट्रेन परिचालन करबाक अछि। इंजिनियर लोकनि के कहल गेल जे मार्च धरि एक डेग आगू बढ़बैत लौकहा लाइनक महरैल स्टेशन तक ट्रेनकेँ पहुँचेबाक संकल्प ल’ काज कएल जाय । बैठककेँ बाद सांसद जानकारी देलनि जे बड़हारा आ झंझारपुर बाजार हाल्टकेँ अपग्रेड क’ स्टेशनक दर्जा देबाक लेल रेल मंत्रालयकेँ चिठ्ठी लिखल गेल अछि। ए. ई श्री मिश्रा केँ अपन अनुशंसा भेजबाक लेल निर्देशित कएल गेल अछि। सांसद कहलाह जे मार्च धरि झंझारपुर आ दिसम्बर धरि लौकहा—निर्मली तक ट्रेन परिचालन करबा लेल अंतिम डेट देल गेल अछि। झंझारपुर बाजार आ महरैल तक रैक पॉइंट बनेबाक काज सेहो शुरू कएल जायत।

आब देखबाक बात इ अछि जे उक्त दुनू योजना कहिया धरि पूरा होयत।