जदयू देलक शहाबुद्दीन के चेतावनी, कहलक हमर इंजेक्शन मे दर्द नहि होइत अछि

    0
    268

    पटना, मिथिला मिरर: राजद नेता आ पूर्व सांसद शहाबुद्दीन के लय क राजनीति तेज भय गेल अछि। पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन के चेतावनी दैत जदयू प्रवक्ता नीरज कुमार कहलनि जे, शहाबुद्दीन के सरकार के इकबालक एहसास कराओल जायत। ओ कहलनि जे, अहि सरकारक इंजेक्शन स दर्द सेहो नहि होइत छैक।

    नीरज कुमार मोहम्मद शहाबुद्दीनक बयान के लोकतंत्र के लेल चिंताजनक बतौलनि। ओ कहलनि जे, शहाबुद्दीनक ट्रैक रिकॉर्ड साधु संत बला नहि। 13 साल जेल मे रहय बला व्यक्ति आय लोक के राजनितिक ज्ञान दय रहल अछि। शहाबुद्दीन के शायद ई ज्ञान नहि जे नीतीश कुमार गैर बीजेपी मोर्चाक नायक छथि।

    गौरतलब अछि कि जेल स रिहा भेलाक बाद पूर्व सांसद शहाबुद्दीन लालू यादव के अप्पन नेता बतौने छल संगहि नीतीश कुमार के परिस्थितिक मुख्यमंत्री कहने छल।