भाजपाक दर्जनों चुनाव प्रबंधक बढ़ा सकैत अछि पार्टीक परेशानी

    0
    284

    दिल्ली, मिथिला मिरर: निगम चुनावमे भाजपाक जाहि पदाधिकारीकें प्रत्याशिकें जीत दियेबाक जिम्मेदारी देल गेल छल, ओहिमे अधिकांश अधिकारी स्वं चुनावी मैदानमे उतरि गेल। जाहि सं भाजपाक चुनाव प्रबंधन गड़बड़ा रहल अछि। कार्यकर्ताक ई चिंता अछि जे, कहीं पार्टी नेतृत्वक ई फैसला भारी नहि पड़ि जाए, ताहि लेल प्रदेश नेतृत्व सहो अहि चुनौती सं निपटबाक तैयारी शुरू कए देलक अछि। ऐहेनमे संभव अछि जे, मंडल सं लए कये प्रदेशक टीममे किछु नब चेहरा शामिल कएल जाए।

    कोनो भी चुनावमे संगठनक महत्वपूर्ण भूमिका होईत अछि। पदाधिकारीकें चुनाव संबंधी जिम्मेदारी देल जाइत अछि ताकि प्रत्याशी सही तरीका सं अपन चुनाव प्रचार अभियानकें आगू बढ़ा सकए। भाजपाक लेल त अहि चुनावमे संगठनक अहमियत और बढ़ि गेल अछि, कियैक त पार्टी मौजूदा पार्षदक जगह नब चेहराक संग चुनावी मैदानमे उतरल अछि।

    अहिमे सं अधिकतर प्रत्याशिकें चुनाव लड़नेबाक कोनो अनुभव नहि अछि। ओतहि, मौजूदा पार्षद सेहो भितरघात कए सकैत अछि। ऐहेनमे संगठनकें सुरक्षा कवचके रूपमे काज करय पडत, मुदा संकट ई अछि जे, भाजपाके 14 संगठनात्मक जिला सं तीन जिला अध्यक्ष खुद मैदानमे उतरि गेल अछि, त तीन गोटे पत्नीकें चुनावी मैदानमे उतारि देलक अछि। अहि तरह 11 जिलाक महामंत्री आ 20 मंडलक पदाधिकारीक संग पत्नी या नजदीकी रिश्तेदार चुनाव लड़ि रहल अछि।