बेलगाम ट्रक चारि गोटे के कुचललक, एक गोटेक मौत

    0
    281

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिलाक मीनापुर थाना क्षेत्र मे रविदिन भोरे एकटा तेज रफ्तार ट्रक चारि टा किशोर के कुचलि देलक, जाहि मे एक गोटेक मौत भय गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार राट्रीय उच्च पथ 28 पर पानापुर गामक निकट एकटा अनियंत्रित ट्रक सड़क कात मे ठाठ चारि टा किशोर के कुचलि देलक। दुर्घटना मे छोटू कुमार (15) के मौका पर मौत भय गेल तथा तीन अन्य गंभीर रुप स घायल भय गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार घायलक स्थिति गंभीर बनल अछि, जकरा शहरक एकटा निजी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। दुर्घटना के बाद चालक ट्रक लय क फरार भय गेल। मृतक के लहाश के पोस्टमार्टमक लेल श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल भेज देल गेल अछि।