विधायक आवास’क घेराव करत आंदोलनकारी होमगार्ड’क जवान

    0
    465

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मांगक लेल आंदोलनरत होमगार्डक जवान आब विधायक व एमएलसी आवासक घेराव करत उक्त घोषणा हड़ताली होमगार्डक जवान शुक्रदिन समाहरणालय धरना स्थल पर केलनि। आयोजित धरनाकें संबोधित करैत जिलाध्यक्ष विष्णुदेव सिंह, सचिव दरोगा राय, कोषाध्यक्ष रामविलास यादव कहलनि जे, सरकारक दोहरी नीतिके कारण जिलाक 902 होमगार्डक जवान अनिश्चितकालीन हड़ताल पर अछि।

    अहि सं विधि व्यवस्था सहित बहुतो सरकारी कार्यालयकें सुरक्षा पूर्णत: प्रभावित अछि। हड़ताल पर जेबा सं ट्रैफिक, उत्पाद विभाग, संचार विभाग, संग्रहालय, डाक विभाग आदि कार्यालयकें स़ुरक्षा भगवान भरोसे अछि। वक्ता कहलनि जे, बिहार रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघक आह्वान पर जवान समान काजक समान वेतन, पुलिसकर्मीकें तरह सुविधा आ सेवा नियमित करबाक मांगक लेल नारेबाजी केलक।