सीवान मे बाप-बेटीक रिस्ता कलंकित

    0
    322

    सीवान, मिथिला मिरर: जिलाक दरौली थाना क्षेत्रक एकटा गाम मे एकटा पिता बाप-बेटीक रिस्ता के कलंकित कय देलक। सूत्रक अनुसार पिता अप्पन बेटीक संग लगातार एक साल सं बलात्कार कय रहल छल। ओहि लड़की पर तहन और बड़का पहाड़ टूटि पड़ल जहन लड़कीक अप्पन भाई सेहो बहिनक संग बलात्कार करबाक प्रयास केलक।

    दुर्भाग्य वश जहन बेटी अप्पन माँ संग अहि बातक चर्चा केलक त माँ बेटी के फटकार लगा कय चुप कय देलक। हालांकि बेर-बेर बलात्कार केला सं बेटी गर्भवती भय गेल त मैरवा मे डॉ लग जा गर्भपात करा देल गेल। जकरा एवज मे डॉक्टर सात हजार रुपैया लेलक। पीड़िता स्नातक के छात्रा अछि। लड़की हिम्मत जुटा कय बुधदिन पिता, भाई तथा मां के खिलाफ महिला थान मे एफआईआर दर्ज करेलक अछि।

    महिला थानाध्यक्ष पूनम कुमारी एफआईआर दर्ज करबाक संग आरोपित के गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कय रहल छथि। मुदा तीननू आरोपी घर सं फरार अछि।

    लड़कीक आरोप अछि जे, बहुत पहिने सं पिता लड़कीक संग छेड़छाड़ करैत छल. विरोध करबा पर कहैत छल हम दोस्त जेना तोरा संग सब किछु शेयर करैत छी। अहिना मे एक दिन पिता अप्पन बेटीक बलात्कार कय देलक। अहि बातक शिकायत जहन बेटी माँ सं केलक त माँ उलटे बेटी के डांटि कय चुप्प करा देलक। हद त तहन भय गेल जहन लड़कीक भाई सेहो बहिनक संग बलात्कार करबाक प्रयास केलक।