मुजफ्फरपुर मे आठ जनवरी धरि बंद रहत स्कूल

    0
    275
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: माैसम मे बदलाव के देखैत मुजफ्फरपुर मे आठवीं तक के स्कूल मे आब आठ जनवरी तक पढ़ाई स्थगित कय देल गेल अछि। मौसमक मिजाज ठीक रहत त नौ जनवरी स पढ़ाई शुरू भय सकत। पहिने पांच जनवरी तक छुट्टीक आदेश छल, मुदा बृहस्पति दिन कुहेस तथा जारका असर रहबाक कारण डीएम धर्मेंद्र सिंह सब सरकारी तथा निजी स्कूल मे आठवीं कक्षा तक के पढ़ाई बंद रखबाक निर्देश देलनि।
    अहि दौरान स्कूलक शिक्षक व कर्मचारी नियमित समय स स्कूल मे उपस्थित रहताह आ अन्य जरूरी कार्यक निबटारा करताह। डीइओ एसएन कंठ सब स्कूलक प्रधानाध्यापके व विभागीय अधिकारी के अहि आदेशक सख्ती सं पालन करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे, आदेश के उल्लंघनक शिकायत भेटला पर संबंधित स्कूलक प्रधान के खिलाफ कार्रवाई कायल जायत।