सीतामढ़ी मे बिहार पुलिसक करतूत, वाहन चैकिंग के नाम पर खुलेआम रिश्वतक मांग

    0
    314

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहारक सीतामढ़ी मे आम लोकक सुरक्षा आ अपराध पर रोकथाम लगेबाक उदेश्य सं चलाओल जा रहल वाहन चैकिंग अभियान पुलिस वलाक लेल सोनाक अंडा देबय वला मुर्गी साबित अछि।

    ताजा मामला मे सीतामढ़ीक नगर थाना पुलिसक एकटा करतूत सामने आयल अछि। वाहन पर बैसल पुलिस वला कोने तरीका सं आम लोक सं ने सिर्फ रिश्वतक डिमांड करैत अछि, बल्कि रुपैयाक लेन-देन सेहो करैत अछि। सीतामढ़ी मे वाहन चैकिंग के नाम पर आम लोकक ने सिर्फ शोषण होइत अछि बल्कि जुता हैलमेट, इन्शोरेन्सक नाम पर अवैध उगाही कायल जा रहल अछि।है .