मुजफ्फरपुर मे 153 कार्टून शराबक संग दू गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    508

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे शराबबंदीक बाद सं सतर्क पुलिस शुक्रदिन मुजफ्फरपुर जिला के मरीचा गामक समीप एकटा ट्रक सं 155 कार्टून विदेशी शराबक संग दू गोट तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार सूचना भेटल छल जे, मनियारी थाना क्षेत्रक मरीचा गामक निकट एकटा ट्रक सं भारी मात्रा मे विदेशी शराब उतारल जा रहल छल। अहि के बाद पुलिस छापेमारी कय ट्रक पर लादल 155 कार्टून विदेशी शराबक संग मिराजुद्दीन आ हृदन राय नामक दू गोट तस्कर के गिरफ्तार कय लेलक अछि।