शहीद सेनानीक बरखीमे आयोजित श्रद्धांजलि सभामे 1 टा मैथिल, शर्मनाक दिल्लीक मैथिल

    0
    350

    दिल्ली-मिथिला मिररः नेपालमे अपन अधिकार लेल लड़ाई लडि़ रहल मैथिल सेनानी पर कैल गेल नृसंस बमबारीमे शहीद भेल पांच गोट मैथिल सेनानी शहीद विमल शरण, झगरू दास, रंजू झा, सुरेश उपाध्याय आ दीपेन्द्र दास’क शहादत एतेक जल्दिये मैथिल समाज बसरि जायत एकर कल्पना शायद नहि छल। 30 अप्रैल 2012 कऽ जनकपुर अचानक मैथिल सेनानीक शोनित सं रक्त-रंजित भय गेल छल मुदा विडंबना त देखू मात्र 4 बरख बाद मिथिलाक लेल शहादत प्राप्त सेनानीक लेल दिल्ली मैथिल समाज लग 10 मिनटक समय नहि छल।
    हालांकि अहि शहादत दिवस पर श्रद्धांजलि सभा करवाक संयुक्त नियार मिथिला राज्य संघर्ष समिति नेपाल आ मिथिलाक अनुपम डेग दिल्ली, भारतमे छल। नेपालमे जनकरपुरक रामानंद चैक पर आयोजित श्रद्धांजलि सभा त सफल रहल। निराजन झा केर अध्यक्षतामे आयोजित श्रद्धांजलि सभामे मैथिलजन बढि़-चढि़ कऽ अपन सहभागिता देखवैत शहीदक प्रति अपन श्रद्धा-सुमन प्रकट करैत हुनका स्मरण कैलनि मुदा विजय कुमार झा केर अध्यक्षतामे दिल्लीक इंडिया गेट पर आयोजित श्रद्धांजलि सभाक हाल हृदय व्यथित करय वला छल।
    जखन मिथिलाक अनुपम डेगक अगुआईमे विजय कुमार झा दिल्लीक इंडिया गेट पहुंचलाह त ओहिठाम दिल्लीमे रहि रहल कोनो मैथिल उपस्थित नहि छलाह। बादमे दिल्ली पुलिस विजय कुमार झा कें इंडिया गेट पर हिरासतमे लैत हुनका जंतर-मंतर पर छोडि़ देलक। पांच गोट शहीदक श्रद्धांजलि देवाक लेल विजय कुमार झा आ हुनकर पुत्र आ दिल्लीक बड़का-बड़का मोछ वला सब निपत्ता। बादमे अमर नाथ झा अहि श्रद्धांजलि सभामे पहुंच अपन उपस्थिति देलाह। शमर्क बात त इ जे दिल्लीमे फेसबुक पर जौं चेहरा चमकेबाक बात हो कि विद्यापति पर्व समारोह सन आयोजन पर नेताक आगू-पाछू क फोटो खिचेवाक बात, ओहिठाम त मैथिल हजारोक संख्यामे भेट जेताह मुदा अहिठाम?
    बस इहै अंतर छैक भारतीय मिथिला आ नेपाली मिथिलामे। भारतीय मिथिला आ अहिठामक आंदोलन बौद्धिक रूप स कथित कुंठित व्यक्ति द्वारा कैल जा रहल अछि जेकरा सबकें अपन स्वार्थ छोडि़ किछु देखना नहि जैत छैक त दोसर दिस नेपाली मिथिला अछि जे लोकतंत्रमे अपन अधिकारक लेल प्राणक आहुति दय रहल अछि, तैं ओकरा प्राणक मोल बुझल छैक मुदा अहिठामक मैथिलकें मात्र मिथिला राज आ ओहिकें गद्दी पर अपन जगह देखा रहल छन्हि। शर्मनाक दिल्लीमे रहनिहार आ मिथिला-मैथिलीक डपोरशंखी आडंबर केनिहार व्यक्ति ओ संस्थाक संचालक लोकनि।