मधुबनी मे भूमि विवादक लेल भेल बम विस्फोट मे आठ गोटे घायल

    0
    286

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहारक मधुबनी जिलाक बासोपट्टी थाना क्षेत्र मे सोमदिन भूमि विवाद के लय दू पक्ष के बीच भेल मारिपीट आ बम विस्फोटक घटना मे आठ गोटे घायल भय गेल।

    जानकारीक अनुसार सिरियापुर गाम निवासी राम बहादुर ठाकुर आ सर्वनारायण ठाकुर के बीच पुस्तकालय के एकटा जमीनक लेल पूर्व स विवाद चलि रहल छल। ताहि के लय कय दुनु पक्षक बीच मारि पीट आ बम विस्फोट मे कुल छः गोटे घायल भय गेल। सब घायलक ईलाज बासोपट्टी पीएचसी मे चलि रहल अछि। घटनाक बाद थाना प्रभारी सेहो अस्पताल पंहुच कय मामलाक जाँच कय रहल छथि।