सोमवारी सं पूर्व उगना महादेवमे श्रद्धालुक लेल विशाल भंडाराक आयोजन

    0
    473

    भवानीपुर,मधुबनी,मिथिला मिरर-मुरारी झाः मिथिलाक प्रसिद्ध उगना महादेवक मंदिर पर साउनक प्रत्येक सोमवारी कऽ बाबा उगनाक दरबारमे आवैयवला कांवरिया आ श्रद्धालुक लेल विशाल भंडारक आयोजन कैल जाइत अछि। साउनक सोमवारीमे बाबा उगनाक दरबारमे भारी भीड़ जुटैत अछि एहनमे मे मंदिर कमेटी द्वारा प्रत्येक सोमवारी सं पूर्व रविदिनक राइत मे अहि भंडाराक आयोजन कैल जाइत अछि।
    श्रविदिन अर्थात 31 जुलाई केर राइत सेहो बाबाक दरबारमे विशाल भंडाराक आयोजन कमेटी द्वारा कैल गेल। संस्थाक द्वारा कैल गेल आयोजनमे भारी संख्यामे बाबाक दरबारमे आयल भक्तजन सब प्रसाद पाबि रातुक विश्राम केलाह। बाबा दरबारमे आयोजित भंडारामे पुड़ी, तरकारी आ खीर केर व्यवस्था कैल जाइत अछि।