कुश्वेश्वरस्थान कें शोहरवा गांवमे बाढ़ि पाइनमे करंट लगलाह सं 3 गोट किशोरक मौत

    0
    285

    दरभंगा,मिथिला मिरर-मणिकांत झाः दरभंगा जिलाक कुश्वेश्वरस्थानक पश्चिमी प्रखंडक हरौली पंचायत स्थित शोहरवा गांवमे बाढ़िक पाइन मे स्थान करैत काल करंट लगलाक कारणें तीन गोट किशोरक मृत्यु भए गेल जखन कि एक अन्य किशोरक घायल अवस्थामे स्थानीय पीसीएचमे इलाज चलि रहल अछि। जिला आपदा प्रबंधन पदाधिकारी रविन्द्र कुमार दिवाकर कहला कि चार गोट किशोर बिजली ग्रीडक नजदीक स्नान कए रहल छल आ तखने तार टूटी कऽ खसल आ ओहिकें स्पर्श सं दू गोट किशोरक मृत्यु घटनास्थल पर भए गेल जखन कि तेसर किशोर कें इलाजक दौरान मृत्यु भेल।
    मृतक मे सुजीत कुमार यादव-16, लालगुलाब यादव-15, बेनीगोपाल यादव-15 छलथि जखन कि पंकज कुमार यादव-12 केर इलाज चलि रहल छनि। अहि हृदयविदारक घटनाक बाद समुच्चा गाम मे मातम पसरल अछि। घटनाक बाद आक्रोशित ग्रामिण सब जगह-जगह जाम कैलनि। घटनाक बाद बिरौल डीएसपी सुरेश कुमार आ एसडीओ मो. सफीक अहमद लगातार कैंप कए रहला अछि। अहि घटनाकें गंभीरता सं लैत जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह एकटा जांच कमेटी गठित कए देलनि अछि जाहिमे अधीक्षण अभियंता बिजली विभाग आ एसडीओ बिजली विभाग शामिल छथि।

    फोटोः काल्पनिक