तीन साल बाद राजेंद्र सेतु पर पुनः आवागमन शुरू

    0
    316

    31 जुलाई स अहि सेतु पर सब तरहक वाहनक आवागमन शुरू हेबाक कारने पटना, बेगूसराय, लखीसराय सहित अन्य जिलाक लोक मे खुशीक लहर अछि। ज्ञात हो कि पिछला कई साल स अहि सेतुक सड़क मार्गक छतिग्रस्तता स लोक परेशान छलाह। 2014 के नवंबर स सेतुक सड़क मार्गक मरम्मत के कार्य कोलकाताक रॉवर्टसन कंपनी द्वारा कायल जा रहल छल, जाहि मे तकरीबन 16 करोड़ रुपैया खर्च हेबाक बात कहल जा रहल अछि।

    सेतु विभागक एकटा अधिकारी कहलनि जे, सेतुक सड़क मार्ग पर किछु दूर कालीकरण करबाक कार्य बाँकी अछि। रविदिन स सेतु के सब तरहक वाहनक लेल खोलि देल गेल, संगहि जलदिये बाँचल कार्य के पूरा कय लेल जायत।