प्रधानमंत्री’क दावेदारी के सवाल पर कहलनि नीतीश, हम पद के भूखल नहि छी

    0
    271

    पटना, मिथिला मिरर: बुधदिन एकटा साक्षात्कार के दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे, बिहार के लोक हमरा तेसर बेर सरकार बनेबाक मौका देलन्हि, आ हम हुनकर उम्मीद के पूरा करबाक भरपूर प्रयास कय रहल छी। ओ कहलनि जे हमर सरकार गुड गवर्नेंस स कोनो समझौता नहि करत।

    राजद नेता शहाबुद्दीन’क जमानत पर ओ कहलनि जे, कानून अप्पन काज कय रहल अछि। नीतीश कुमार जोर दैत कहलनि जे, बिहार मे कानूनक राज अछि ताहि दुआरे ककरो डरबाक जरूरत नहि अछि।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 2019 मे विपक्ष’क चेहरा बनबाक सवाल पर कहलनि जे, हम पद के सपना नहि देखैत छी। हम मात्र लोकक कल्याण आ भलाई के सपना देखि रहल छी। हमर ध्यान भरि दिन एतबे पर लागल रहैत अछि जे, समाज मे परिवर्तन कोना हो, लोकक जीवन मे सुधर कोना हो। नीतीश कहलनि जे, हमरा जे जिम्मेदारी भेटैत अछि ओकरा हम बखूबी निभाबय के प्रयाश करैत छी।