नगर निकाय चुनावक लेल मतदान शुरू

    0
    268

    मिथिला मिरर: बिहारमे नगर निकाय चुनावक लेल पहिल चरणक मतदान शुरू भए गेल अछि। भोरे सं लोक मतदानक लेल घर सं निकलए लागल अछि। चुनाव सं पहिने राज्य निर्वाचन आयोगक सचिव दुर्गेश नंदन कहलनि जे, चुनावक लेल सब तैयारी पूरा भए गेल अछि। ओ कहलनि जे, चुनावक मद्देनजरि जिलाक सीमाकें सील कएल गेल अछि। मतदाता सात बजे सं शुरू भेल अछि।

    चुनावक दौरान सड़कक संग-संग नदिमे होबए वला परिवहन पर सेहो प्रशासनक नजरि अछि। ओ कहलनि जे, रविदिन 100 नगर निकायमे चुनाव भए रहल अछि। सब बूथ पर सशस्त्र सुरक्षा बलक जवान तैनात कएल गेल अछि।

    नंदन कहलनि जे, अहि बेरक चुनावमे पुरुष सं अधिक महिला प्रत्याशी चुनाव मैदानमे अछि। पहिल चरणमे कुल 2332 वार्डक 5306 बूथ पर मतदान होएत। अहि दौरान लगभग 51 लाख मतदाता अपन मताधिकारक प्रयोग करताह।