बेगूसराय मे भाजपा नेता’क पुत्र के बीच बाजार मे मारलक गोली

    0
    338

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहार मे अपराधक वारदात कम हेबाक नाम नहि लय रहल अछि। बेगूसराय मे बेखौफ अपराधी रविदिन साँझ मे भाजपा नेता रामानुज चौधरी’क 12 वर्षीय पुत्र विपुल कुमार के सरेआम गोली मारि देलक।

    जिले के भगवानपुर थाना क्षेत्रक मानोपुर गाम मे देर साँझ घटल अहि घटना के बाद आक्रोशित लोक सब बवाल मचेलक। अहि दौरान आक्रोशित लोक सब आरोपी के घर पर हमला कय देलक आ तोड़फोड़ केलक। भीड़ आरोपी के कपड़ा दोकान, एकटा ट्रैक्टर, तीनटा मोटर साईकिल, जेनरेटर सहित बहुतो बेशकीमती सामान के आगि लगा देलक।

    घटना के बाद पहुंचल पुलिस पर सेहो लोक अप्पन तामस उतारलक। आक्रोशित लोक पुलिस पर पथराव के संग पुलिस जीप के सेहो निशाना बनेलक। घायल विपुल’क इलाज एकटा निजी नर्सिग होम मे चलि रहल अछि।