शहीद विकासकें श्रद्धांजलि स्वरूप मिथिला स्टूडेंट यूनियनक शांति मार्च

    0
    420

    दिल्ली-मिथिला मिररः जम्मू-कश्मीरक कुपवाड़ामे शहीद भेल सीमा सुरक्षा बलक जवान आ मधुबनी जिलाक रैयाम (रैमा) निवासी विकास कुमार मिश्रक श्रद्धांजलि स्वरूप मिथिला स्टूडेंट यूनियन देशभरिमे शांति मार्च आ प्रार्थना सभाक आयोजन कए रहल अछि। सब सं पहिने शुक्रदिन एमएसयू रैयाम मे शहीद विकासक श्रद्धांजलि स्वरूप शांति मार्चक आयोजन केलक, जतय छात्र लोकनि हाथमे मोमबत्ती लए शहीदक प्रति अपन सम्मान प्रकट केलक। बादमे रैयाम निवासी आ जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. सुनील कुमार झा शहीद विकासक छायाचित्र पर पुष्ष अर्पित कए श्रद्धासुमन अर्पित केलाह।
    शनिदिन एमएसयूक विभिन्न टीम अलग-अलग जगह पर शांतिसभाक आयोजन केलक। टीमक सदस्य लोकनि दरिभंगा, बेनीपट्टी, बासोपट्टी, तथा दिल्लीमे राष्ट्रीय कार्यालय पर शहीदक चित्रतर माल्यापर्ण आ मोमबत्ती लए अपन संवदेना प्रकट केलाह। तहिना रविदिन सांझामे राष्ट्रीय टीम द्वारा दिल्लीक मैथिल बाहुल्य विपिन गार्डेन पार्कमे सेहो संस्थाक राष्ट्रीय कोर कमिटी पर एकटा सार्वजनिक शोक सभाक आयोजन कैल गेल अछि जाहिमे संस्थाक दिस सं समस्त मिथिला सह भारतवंशी सह अहिमे उपस्थित हेवाक आह्वान कैल गेल अछि। संस्था लगातर विभिन्न ठाम संवदेना सभाक जरिए शहीदक प्रति आभारत प्रकट करैत रहल अछि आ इ सिलसिला एखन किछु दिन आओर चलत।
    मिथिला मिरर सं बातचीत करैत छात्र संगठनक अध्यक्ष कमलेश मिश्र जनौलनि जे दिल्लीमे एकटा सार्वजनकि कार्यक्रमक आयोजन एमएसयू केलक अछि आ ओहिकें सफल बनेवाक लेल अनूप मैथिल, रौशन मैथिल आ नीतीश कर्ण सहित संस्थाक समस्त पदाधिकारीगण जोर-शोर सं लागल छथि। मिथिला मिरर सेहो अपने समस्त मैथिलजन सं आग्रह करैत अछि जे अपने सब बेसी सं बेसी संख्यामे विपिन गार्डेन पार्कमे पहुंच वीर शहीदक प्रति अपन आभार प्रकट करी आ हुनका श्रद्धांजलि दियैन।