बिहार पुलिसक नव मुखिया बनलाह गुप्तेश्वर पाण्डेय

0
551

पटना , मिथिला मिरर :  नीतीश सरकार आई बिहार पुलिसक नव मुखियाकेँ नामक घोषणा क’ देलनि अछि। गृह विभागकेँ तरफसँ जारी अधिसूचनाकेँ मुताबिक गुप्तेशवर पांडेकेँ बिहारक नव डीजीपी बनाओल गेल अछि। बिहार पुलिसक नव डीजीपी गुप्तेशवर पांडेय 1987 बैचक आईपीएस अधिकारी छथि आ वर्तमानमे डीजी ट्रेनिंगकेँ पद पर छथि। अपनेकेँ बतादी जे बिहारक वर्तमान पुलिस महानिदेशक के. एस. द्विवेदी आई सेवानिवृत भ’ रहल छथि। प्राप्त सूचनाकेँ मुताबिक गुप्तेश्वर पांडे आइये पदभार ग्रहण करताह। वरिष्ठ पुलिस अधिकारी गुप्तेश्वर पांडेक छवि अपराध नियंत्रक आ कड़क प्रशासककेँ संग संवेदनशील पुलिसकर्मीक तौर पर चर्चामे रहल अछि। वर्तमान डीजीपी के.एस द्विवेदीकेँ हुनक कार्यकालक आई अंतिम दिन छनि। के.एस द्विवेदीक विदाई समारोह लेल बीएमपी-5 केँ मिथिलेश स्टेडियममे परेडक आयोजन कएल गेल अछि। डीजीपीक दौड़मे तीनटा नाम चलि रहल छल। एहि दौड़मे सभसँ आगू आर.के मिश्रा केँ नाम छल। जाहि तीनटा नामक चर्चा छल ओहिमे गुप्तेश्वर पांडेक नाम नै छल। मुदा सरकार पाण्डेयकेँ पुलिस महकमाक कमान सौंपी सभके चौंका देलनि। गुप्तेश्वर पांडे कहलनि अछि जे बिहारमे अपराध पर नकेल कसनाइ हुनक पहिल प्राथमिकता होयत। एहि लेल ओ एकटा टीम बनेता जाहिमे सभटा सीनियर आइपीएस अधिकारी रहताह। काजमे कोताही बरतइ वला पुलिस नपता आ कोनो तरहक कोताही कतई बर्दाश्त नै कएल जायत।

बिहारमे नव प्रावधानकेँ मुताबिक डीजीपीक नियुक्ति भेल। नवका प्रावधानकेँ अनुसार राज्य सरकारकेँ लग सीमित अधिकार आ बिहार कैडरसँ डीजी रैंकक 12 अफसरक नाम यूपीएससीकेँ पठाओल गेल छल, जाहिमेसँ गुप्तेश्वर पांडेयकेँ नाम पर मोहर लगाओल गेल। ई पहिल बेर अछि जे डीजीपी के बनत एकर निर्णय लेबामे एतेक समय लागल। सुप्रीम कोर्टक गाइडलाइनकेँ मुताबिक आब राज्यमे जे कियो डीजीपी बनता ओ अगिला दू साल धरि एहि पद पर बनल रहताह। सुप्रीम कोर्टक गाइडलाइकेँ वजहसँ सेहो  यूपीएससी आ बिहार सरकारकेँ बीच बहुत माथापच्ची भेल छल।

नीतीश कुमारक ‘संकटमोचक’ कहल जाइत छथि गुप्तेश्वर पांडेय

बिहार पुलिसक नव नियुक्त मुखिया यानि डीजीपीकेँ नामक घोषणा क’ देल गेल अछि।. पांडेय 1987 बैचक आईपीएस अधिकारी छथि आ मूल रूपसँ बिहारक बक्सर जिलाक रहय वला छथि। श्री पाण्डेय डीजीपीकेँ तौर पर के.एस द्विवेदीकेँ जगह लेताह। हुनका 31 सालक पुलिसिंगक अनुभव छनि। ओ बिहारमे स्मार्ट पुलिसिंगक जानल पहचानल चेहरा छथि गुप्तेश्वर पांडेय हालही नशामुक्ति अभियानकेँ ल’ चर्चामे छथि। ओ बिहारमे हरेक जगह घूमी-घूमी क’  लोक सभके नशामुक्तिके खिलाफ प्रेरित क’ रहल छथि। पांडेयक पहचान कड़क अधिकारीकेँ तौर पर होइत छनि आ ओ पोस्ट क्राइसिस मैनेजमेंट आ काम्यूनल वॉयलेंसकेँ सम्हारेमे माहिर मानल जाइत छथि। बतादी जे बिहारक औरंगाबाद आ कटिहारमे भेल  हिंसक झड़प आ तनावकेँ नियंत्रित करबाक जिम्मा हिनका देल गेल छलनि जे बखूबी निर्वाह केलाह। पांडेय  सोशल इंजीनियरिंग संग स्मार्ट पुलिसिंगकेँ सेहो मास्टर छथि। यैह कारण अछि जे बिहारमे शराबबंदीक प्रचारक कमान ओ स्वयं सम्हारने छलाह।