एकटा आओर बाबा भेलाह कलंकित, यौन शोषणक आरोपमे भेलाह गिरफ्तार

0
568

सुपौल, मिथिला मिरर : आशाराम बापू, संत रामपाल आ राम रहीमक कड़ीमे एकटा और बाबाक नाम जुड़ी गेल अछि। नवका मामला बिहारक एकटा दुष्‍कर्मी बाबा पर लागल अछि। मधुबनीक दूटा सहोदर बहिन संग दुष्‍कर्म आ हुनकर वीडियो बना सालों धरि ब्‍लैकमेल क’ दुष्‍कर्म करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। बिहारक सुपौल जिला पुलिस दूटा सहोदर बहिन संग भेल यौन शोषण, दुष्कर्म आ हुनकर वीडियो बनेबाक आरोपमे एकटा कथित संतकेँ गिरफ्तार केलक अछि। सुपौलक पुलिस अधीक्षक मृत्युंजय कुमार चौधरी बतेलनि जे गिरफ्तार व्यक्ति मनमोहन साहेब स्वयंकेँ कबीर विचार मंचक अंतरार्ष्ट्रीय महंत बतबैत अछि। आरोपीकेँ 29 जनवरी मंगलदिन साँझमे मधुबनी जिलाक फुलपरास स्थित कबीर मंच नामक संगठनकेँ आश्रमसँ गिरफ्तार कएल गेल। पुलिस कप्तान बतौलनि जे मधुबनीक रहय वला वाला परिवार पछिला 25 सालसँ लुधियानाक करनाल सिंह रोडमे व्यापार करैत अछि। पूरा परिवार कबीर विचार मंचसँ जुड़ल अछि। एहि बीच मनमोहन साल 2010 मे सुपौलक मरौना थाना क्षेत्रक पंचभिंडा गाममे एकटा धार्मिक कार्यक्रमकेँ आयोजन केने छल,जाहिमे पीड़िताक पूरा परिवार सेहो शामिल भेल छल। आरोप अछि जे मनमोहन एहि क्रममे एकटा बचिया संग दुष्कर्म केलक आ वीडियो सेहो बनेलक। एहि बीच ओ  लुधियाना जाइत अबैत रहल आ वीडियो वायरल करबाक धमकी द’ यौन शोषण करैत रहल। तकरा बाद मनमोहन साल 2016 मे पीड़िताक पैघ बहिन संग सेहो दुष्कर्म केलक आ तहियाकेँ बाद ई सिलसिला चलैत रहल। पुलिसकेँ मुताबिक, जखन राम रहीमकेँ सजा भेल तखन पीड़िताक पैघ बहिन अपन छोट बहिनके अपन आपबीती सुनेलनि। एहि क्रममे छोटकी बहिन अपना संग भ’ रहल शोषणक कहानी सेहो अपन बड़की बहिन संग साझा केलिह। सुपौलक पुलिस अधीक्षक चौधरी बतेलनी जे पीड़ित बहिन अपन आपबीती ई-मेल क’ राष्ट्रीय महिला आयोगकेँ बतेलनि आ महिला आयोग द्वारा सूचना सुपौल पुलिसकेँ भेटल। पुलिसकेँ संज्ञानमे मामला एबाक बाद दुनू बहिनसँ संपर्क कएल गेल आ हुनक बयान पर महिला थानामे यौन शोषण, दुष्कर्मक एकटा प्र्राथमिकी दर्ज कएल गेल। एहिकेँ बाद आरोपीकेँ गिरफ्तार कएल गेल। पुलिस पूरा मामलाक छानबीन क’ रहल अछि।

मूलत: मधुबनी जिलाक लखनौर थाना क्षेत्र निवासी दुनू बहिन लुधियाना (पंजाब) मे परिवारक संग रहैत छथि। साल 2009 मे बाबा मनमोहनक प्रवचनसँ प्रभावित भ’ हुनक पिता कबीर विचार मंचसँ जुड़लाह। तकर किछुए महिना बाद दुनू बहिन सेहो साध्वी बनबाक निर्णय लेलनि। एहि दौरान बाबा मनमोहनकेँ दुनू बहिन अपन घर लुधियाना सेहो ल’ गेलनि। दरअसल दुष्कर्म पीड़िता दुनू बहिन जे मुख्यमंत्रीकेँ चिठ्ठी लिखलनि ओ रोईया ठाढ़ करय वला अछि। पीड़िताकेँ मुताबिक सैकड़ों एहन बचिया अछि जे विश्व कबीर मंचक अंतर्राष्ट्रीय बाल ब्रह्मचारी बाबा संत मनमोहन साहेबकेँ दुष्कर्मक शिकार भेल अछि। आब जखन दुनू बहिनक हौसलाकेँ बदौलत दुष्कर्मी बाबा जेल पहुँच गेल तखन एहि बातक चर्चा भ’ रहल अछि जे आर कतेको पीड़िता सामने औती। दुष्कर्मी बाबा कबीर मठक आड़मे तीन-तीन आश्रम संचालित क’ पापक साम्राज्य कायम केने छल, ओकर भंडाफोड़ होयत। दुष्कर्मी बाबाकेँ गुनाहक फेहरिस्त पैघ अछि। ई तय मानल जा रहल अछि जँ ठीकसँ एकर जाँच पड़ताल होयत त’ कतेको चौंकावै वला खुलासा होयत।

विदेश भगबाक तैयारीमे छल मनमोहन
दुराचारी बाबाकेँ अपना ऊपर कसी रहल शिकंजाकेँ भनक लागी गेल छल। लिहाजा ओ नेपालक रस्ते विदेश भगबाक तैयारीमे छल। जँ सुपौल पुलिसकेँ मानी त’ बाबा आश्रमसँ पासपोर्ट आ जरूरी कागद ल’ बाहर निकली गेल छल। आ पुलिसकेँ देखिते दौड़ क’ भागय लागल। मुदा पुलिसक सुझबुझसँ ओ भगवामे सफल नै भ’ सकल। एसपी मृत्युंजय चौधरी कहलनि जे एहि मामलामे चार्जशीट दायर क’ स्पीडी ट्रायल चला आरोपी बाबाकेँ जेलसँ बाहर निकलबासँ पहिने सजा दियाबल जायत।