जाप जारी कएलक अपन प्रतिज्ञा पत्र, पप्पू यादव कहलनि जँ तीन साल मे नहि क’ सकब वादा पूरा, त’ ल’ लेब राजनीति सँ संयास

0
647

पटना, मिथिला मिरर  :  बिहार मे चुनाव पारा गरम भेल जा रहल अछि। जहाँ एक दिस बिहारक दुनू गठबंधन मे सीट केँ ल’ माथापच्ची कएल जा रहल अछि, ओतहि जाप हरेक दिन एक कदम आगू बढ़ी रहल अछि। जतय दोसर दल मे सिर फुटौअल चलि रहल अछि ओतहि जाप अपन उम्मीदवार तय करबा मे लागल अछि। एही बीच जखन चुनावक आधिकारिक घोषणा तक नहि भेल अछि जाप वृहस्पतिदिन अपन घोषण पत्र जारी क’ देलक। जाप अपन घोषणा पत्रक नाम प्रतिज्ञा पत्र रखलक अछि। जारी घोषणा पत्र मे सबसँ पैघ बात जे जन अधिकार पार्टी आगामी बिहार विधानसभा चुनाव सँ पहिने अपन प्रतिज्ञा पत्र उच्च न्यायालयक शपथ पत्र संग जारी कएलक अछि।

एही अवसर पर पप्पू यादव कहलनि जे राजनीति केँ इतिहास मे पहिल बेर राजनीतिशास्त्र नहि अपितु  समाजशास्त्र केँ रूप मे प्रतिज्ञा पत्र लाओल गेल अछि। पहिल बेर फॉरवर्ड, बैकवर्ड, हिंदू, मुसलमान, दलित, महादलित सन शब्द केँ बिहार सँ उखारी फेकबाक काज कएल गेल अछि। ज’ हमर सरकार बनत त’ हरेक वर्ग सँ एक-एक टा उप-मुख्यमंत्री बनाओल जायत।

प्रतिज्ञा पत्र केँ मुताबिक इंटर पास बचिया सभके स्कूटी देल जायत। मिड-डे मिल कार्यक्रम सँ संबंधित रसोइया, विकास मित्र, टोला सेवक, शिक्षा सेवक तालिमी मरकज आ आंगनबाड़ी सेविका लोकनि केँ मानदेय सेहो बढ़ाओल जायत।  एहिं केँ अलावा वृद्ध आ विधवा पेंशन समेत सभ प्रकारक पेंशन राशि केँ बढ़ा क’ तीन हजार टाका क’ देल जायत। वित्त रहित प्रोफेसर, अतिथि प्रोफेसर, निविदा, संविदा, नियोजन पर बहाली नहि कएल जायत। सभक स्थायी नियुक्ति कएल जायत।

जाप प्रतिज्ञा पत्र मे इहो घोषणा कएल गेल अछि जे तीन साल केँ भीतर हरेक अनुमंडल मे   300 बेडक अस्पताल, विज्ञान, प्रौद्योगिकी आ मानविकी सिद्धांत आधारित शिक्षा व्यवस्था पर जोर दैत कहल गेल अछि जे जाप सरकार उच्च तकनीकी आ आधुनिक शोध संपन्न शिक्षा व्यवस्था उपलब्ध कराओत। प्राथमिक सँ विश्वविद्यालय स्तर तक सभक लेल समान आ नि:शुल्क शिक्षा होयत। संगे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड लोनक राशि चारि लाख सँ बढ़ा क’ 10 लाख कएल जायत। सुशांत सिंह राजपूत केँ नाम पर फिल्म सिटीक निर्माण, हर जिला मे खेल स्टेडियम बनाओल जायत। एतबे नहि लघु एवं सूक्ष्म उद्द्योग केँ बढ़ावा देबाक लेल विशेष पैकेजक संग स्पेशल टास्क फोर्सक निर्माण आ राज्य मे पैघ उद्योग लेल टैक्स मे छुट आ भूमि उपलब्ध कराओल जायत।

पप्पू यादव कहलनि अछि जे पार्टीक परिज्ञ पत्र मे आओर बहुत किछु अछि। बेरोजगार केँ रोजगार आ पलायन पर रोक कोना लागत सरकारक पहिल प्राथमिकता रहत। पार्टी केँ सरकार बनला पर तीन सालक समय सीमा केँ भीतर काज कएल जायत। ज’ सरकार समय सीमा मे काज नहि क’ सकत त’ पार्टी सरकार मे नहि रहत आ हम राजनीतिक जीवन सँ संयास ल’ लेब। आब देखना चाही जे बिहारक जनता हिनक घोषणा पर कतेक विश्वाश करैत अछि आ आगामी चुनाव मे कतेक सीट जीता क’ सदन मे पठबैत अछि।