बिहार मे चुनावक तारीख केँ भेल ऐलान, तीन चरण मे होयत मतदान, 10 नवंबर क’ आओत परिणाम

0
1094

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : जहाँ एक दिस दुनियाँक 70 देश मे कोरोना केँ कारण चुनाव टाली देल गेल। ओतहि शुक्रदिन चुनाव आयोग बिहार चुनावक ऐलान क’ देलक। बिहार चुनाव केँ ल’ चुनाव आयोग प्रेस कांफ्रेंस क’ कार्यक्रमक विधिवत घोषणा क’ देलक। आब बिहार मे निर्धारित समय सँ चुनाव होयत। एहिक संग आई सँ बिहार मे चुनाव आचार संहिता सेहो लागू भ’ गेल।

बिहार विधानसभा चुनाव 2020 केँ लेल तारीखक ऐलान भ’ गेल। बिहार मे एहिबेर मात्र तीन चरण मे चुनाव संपन्न कराओल जायत। विधानसभा चुनावक शुरुआत यानि पहिल चरण 28 अक्टूबर केँ, दोसर चरण 3 नवम्बर केँ आ अंतिम चरण 7 नवम्बर केँ होयत। एहि केँ बाद 10 नवंबर केँ चुनाव मे भेल मतदानक परिणाम आओत। बतादी जे 29 नवंबर केँ वर्तमान सरकारक कार्यकाल खत्म भ’ रहल अछि।

चुनाव आयोग केँ मुताबिक पहिल चरण मे 16 जिलाक 71 विधानसभा क्षेत्र मे, दोसर चरण मे 17 जिलाक 94 विधानसभा सीट आ अंतिम चरण मे 15 जिलाक 78 सीट पर मतदान कराओल जायत।  चुनाव आयुक्त सुनील अरोड़ा कहलनि जे सुरक्षा बंदोबस्त आ पावनि-तिहार केँ देखैत बिहार मे चुनावक चरण कम कएल गेल।

चुनाव आयुक्त अरोड़ा जानकारी देलनि जे एहिबेर मतदानक समय मे एक घंटा बढाओल गेल अछि। यानी आब होमय वला चुनाव मे मतदान भोर 7 बजे सँ संध्या 6 बजे तक होयत। जनतब होयत जे पहिने 5 बजे संध्या तक मात्र मतदान होइत छल। हालाँकि बढ़ाओल गेल समय नक्सल प्रभावित क्षेत्र मे लागू नहि होयत। कोरोना रोगी सेहो अंतिम समय मे मतदान क’ सकैत छथि। बिहार में कुल 7 करोड़ 79 लाख मतदाता छथि जाहि मे 3 करोड़ 39 लाख महिला आ 3 करोड़ 79 लाख पुरुष शामिल छथि।

चुनाव आयोग बिहार चुनाव केँ संग 15 राज्य मे खाली भेल लोकसभा आ 64 विधानसभा सीट पर सेहो उप चुनाव करेबाक घोषणा क’ देलक। बतादी जे बिहार मे वाल्मीकि नगर लोकसभा सीट पर मतदान होयत। ओतहि 64 विधानसभा सीट मे मध्य प्रदेश के 27 सीट पर उप चुनाव सेहो शामिल अछि।