मुजफ्फरपुर मे किशोरी’क अपहरणक प्रयास विफल, हल्ला केला पर भागल बदमाश

    0
    287

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर जिला के पारु थाना क्षेत्र मे बुधदिन अपराधी एकटा किशोरीक अपहरण करबाक प्रयास केलक। सूत्रक अनुसार चैनपुर च्यूटाहा गामक 13 वर्षीय लड़की दही बेचबाक लेल निकट के गाम जा रहल छल। तखनहि एकटा वाहन पर सवार किछु अपराधी लड़की के जबरदस्ती गाड़ी मे बैसा लेलक।

    किशोरी के हल्ला केलाक बाद ग्रामीण जहन मोटरसाइकिल स ओहि गाड़ीक पाछु केलक त अपराधी लड़की के आधा घंटा बाद फुलवरिया चौकक समीप वाहन स उतारि कय फरार भय गेल।