वैशाली मे ईंटा-भट्ठा सं पकड़ल गेल डेढ़ करोड़क विदेशी शराब

    0
    270

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहारक वैशाली जिला के सदर थाना क्षेत्र स्थित पूर्व जिला पार्षद के ईंटा-भट्ठा सं पुलिस बुधदिन भोर मे एकटा ट्रक पर लादल करीब डेढ़ करोड़ रुपैया मूल्यक विदेशी शराब बरामद केलक अछि।

    सूत्रक अनुसार सूचना भेटल छल जे, पूर्व जिला पार्षद अनुज राय के चांदी गाम स्थित ईंटा-भट्ठा पर बाहर सं विदेशी शराब आनल जाईत अछि। अहि आधार पर पुलिस छापा मारि कय एकटा ट्रक सं कार्टून मे बंद भारी मात्रा मे विदेशी शराब बरामद केलक अछि। इस दौरान पुलिस ईंटा-भट्ठा के मुंशी के सेहो गिरफ्तार केलक अछि।