मानव शृंखलाक सुरक्षा मे चप्पा चप्पा पर रहत पुलिसक निगरानी

    0
    277

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मद्य निषेध अभियानक तहत 21 जनवरी कय आयोजित मानव शृंखलाक सुरक्षा व्यवस्था के लय मंगलदिन आईजी उमाशंकर सुधांशु, डीआईजी व तीनु जिलाक पुलिस अधीक्षक के संग बैसक केलनि। बैसक मे आईजी सुधांशु मानव शृंखलाक मौका पर सुरक्षा-व्यवस्था के लय विशेष निर्देश देलनि।

    ओ कहलनि जे, हरेक एक किलोमीटर पर दू हजार लोक मानव श्रृंखला मे शामिल भय रहल अछि। मानव शृंखला के प्रत्येक ब्लाक हेडक्वार्टर सं जोड़ल जायत। हरेक लिंक रोड, चौराहा आ मोड़ पर विशेष सुरक्षाक इंतजाम करबाक निर्देश देलनि।

    ओ कहलनि जे, अहि दौरान इमरजेंसी वाहनक आवागमन निर्वाध रूप स जारी रहय। संगहि अन्य वाहन के किछु देरक लेल सड़क कात मे रोकबाक आदेश देल गेल। बैसक मे डीआइजी डॉ सूकन पासवान, एसएसपी दरभंगा मीनू कुमारी, मधुबनी एसपी दीपक वर्णवाल आ समस्तीपुर एसपी नवल किशोर सिंह मौजूद छलाह।