पुतौह सुंदर नहि भेटलनि त गर्म माड़ मे डूबा देलनि

    0
    296

    सासाराम, मिथिला मिरर: बिहारक सासाराम जिला स्थित चेनारी थानाक्षेत्रक खदौली गाम मे पुतौह के प्रताड़ित करबाक आश्चर्यजनक मामला सामने आयल अछि। ससुराल पक्षक लोक पुतौह की गर्म माड़ मे डुबा देलक। जाहि स हुनकर समुच्चय चेहरा झुलसि गेलनि। पुतौहुअ कसूर मात्र ई छल जे, ओ देखय मे सुन्दर नहि छली।

    पीड़िता अप्पन सासु आ ससुरक खिलाफ थाना मे मामला दर्ज करौलन्हि। पीड़िता के अनुसार जहन हम खाना पका कय भात पसा रहल छलहुँ तहाने हमर सासु केस पकड़ि कय माड़ मे मूड़ी गोति देलनि।पति विदेश मे काज करै छथि। हम सुन्दर नहि छी ताहि करने सास ससुर प्रताड़ित करैत छथि। पीड़िताक इलाज निजी क्लिनिक मे चलि रहल अछि।