मुजफ्फरपुर के उप महापौर के खिलाफ अविश्वास प्रस्ताव पारित

    0
    303

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर नगर निगम के उप महापौर सैय्यद माजिद हुसैन के खिलाफ वार्ड पार्षद’क दिस सं आनल गेल अविश्वास प्रस्ताव पास भय जेल। आम्रपाली ऑडिटोरियम मे महापौर के अध्यक्षता मे बजाओल गेल बैसक मे अविश्वास प्रस्ताव पर चर्चा’क बाद वोटिंग कराओल गेल। वोटिंग मे बैसक मे उपस्थित 36 वार्ड पार्षद मे सं 32 गोटे अविश्वास प्रस्ताव के समर्थन मे वोटिंग केलनि।

    उपमेयर पर लगातार निगम के बैसक मे उपस्थित नहि रहबाक आ विकास कार्य मे गतिरोध उत्पन्न करबाक आरोप लगा कय 38 वार्ड पार्षद अविश्वास प्रस्ताव अनबाक आवेदन देने छलाह। अहि सं पहिने उपमेयर मंगलदिन मेयर के खिलाफ साल 2014 मे आनल गेल अविश्वास प्रस्तावक स्थगित बैसक के फेर सं बजौने छलाह। बाद मे मंगलदिन साँझ मे मेल के जरिये ओ अप्पन इस्तीफा मेयर के पठा छलाह।