दरभंगा महाराज’क ऑफिस मे लागल आगि, जरुरी कागजात जरबाक संभावना

    0
    493

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा महाराज कामेश्वर सिंह के राज प्रांगन स्थित कार्यालय बृहस्पति दिन भोर मे धूं-धूं कय जरय लागल। सूत्रक अनुसार भोर मे 3 बजे सं 4 बजे के बीच महाराज के कार्यालय मे अचानक सं आगि लागि गेल। बहुत देर धरि लोक के आगि के अंदाज नहि लागल।

    जहन कार्यालय सं आगिक लपेट उठल त आस-पासक लोक घबरा गेल। लोक सब फोन कय दमकलक गाडी के सूचना दय बजौलक। काफी देर बाद आगि पर काबू पाओल जा सकल। ओतहि आगि मे बहुत रास जरुरी कागजात जरबाक सम्भावना व्यक्त कायल जा रहल अछि।

    आग लगबाक कारणक एखन पता नहि चलि सकल अछि। ओतहि लोक सब षड़यंत्र आ जानि-बुझि कय आगि लगेबाक चर्चा सेहो कय रहल अछि। फिलहाल पुलिस मौका पर पहुंचकय मामला दर्ज कय लेलक अछि आ मामलाक जांच कय रहल अछि।