समस्तीपुर रेलवे स्टेशन पर आरपीएफ-सीआइबी’क संयुक्त कार्रवाई मे 13 गिरफ्तार

    0
    526

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: स्थानीय रेलवे जंक्शन पर मंगलदिन रेलवे सुरक्षा बल पोस्ट एवं सीआईबी’क टीम अभियान चला कय 13 गोटे के गिरफ्तार केलक अछि। मंडल सुरक्षा आयुक्त विजय प्रकाश पंडित के निर्देश पर सघन अभियान चलाओल गेल छल। जकर नेतृत्व आरपीएफ इंस्पेक्टर नाथून मांझी एवं सीआईबी इंस्पेक्टर विनोद कुमार विश्वकर्मा कय रहल छलाह।

    टीम मे आरपीएफ सब इंस्पेक्टर रंजीत कुमार, एएसआई धर्मेंद्र कुमार सिंह, हेड कांस्टेबल विनय कुमार राम, कांस्टेबल रौशन कुमार मिश्रा, राम चरित्र राम, महिला कांस्टेबल ज्योति कुमारी, मंजिता यादव एवं सीआइबी सब इंस्पेक्टर हेमेंद्र कुमार राय, एएसआइ निरंजन कुमार सिंह, हेड कांस्टेबल शंभु कुमार महतो, कांस्टेबल संजय कुमार, अनिल कुमार शामिल छलाह। टीम अभियान चला कय रेलवे एक्ट 147 के तहत 13, रेलवे एक्ट 155 के तहत 3 एवं रेलवे एक्ट 145 के तहत 2 गोटे के गिरफ्तार कायल गेल।

    आरपीएफ रेलवे यार्ड मे अवैध रूप स घूमय वला के परिसर स बाहर जेबाक निर्देश देल गेलाक बावजूद बाहर नहि गेला सं आरपीएफ 8 एवं सीआइबी 5 गोटे के गिरफ्तार केलक।