पुलिस’क हाथ लागल सुपारी किलर्स, हथियार सहित रुपैया बरामद

    0
    283

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर के दलसिंहसराय मे पिछला 14 अक्टूबर क चर्चित स्वर्ण कारोबारी रमेश प्रसादक हत्या कांडक पुलिस खुलासा कय देलक अछि। मामला मे पुलिस सुपारी किलर गोल्डेन कुमार सहित आठ अन्य अपराधी के जिला के अलग-अलग क्षेत्र मे छापामारी कय गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार अपराधी के संग सं पुलिस चारि टा देशी पिस्तौल, चारि टा कारतूस, सात टा मोबाइल सहित एक लाख नगद बरामद केलक अछि।

    समस्तीपुर एसपी नवल किशोर सिंह के अनुसार स्वर्ण व्यवसायी रमेश प्रसाद हत्याकांडक पाछु जमीनी विवाद अछि, आ ओहि विवादक खातिर गोल्डेन कुमार के ओम प्रकाश चौधरी सुपारी देने छल। समस्तीपुर पुलिस के गुप्त सूचना भेटल छल जे, ताजपुर के सरसौना पंचायतक मुखिया लक्ष्मी देवीक हत्या के सुपारी पंचायतक पूर्व मुखिया सुरेश साह देलक अछि।

    पुलिस कार्रवाई करैत गोल्डेन कुमार आ आठ गोट अन्य के गिरफ्तार केलक अछि। ज्ञात हो कि 14 अक्टूबर क दलसिंहसराय के घटनवाद मे दिनदहाड़े अपराधी स्वर्ण कारोबारी रमेश प्रसाद के गोली मारि कय हत्या कय देने छल। अहि दौरान एकटा ठेला चालक भरत पासवान के सेहो अपराधी \गोली मारि कय जख़्मी कय देने छल।