पटना साहिब स्टेशन पर ट्रेन हादसा मे दू गोटेक मौत

    0
    254

    पटना, मिथिला मिरर: दानापुर रेल मंडल के अंतर्गत पटना साहिब मे शनिदिन एकटा ददर्नाक हादसा भय गेल। पटना साहिब के पूर्वी केबिन दिस भेल ट्रेन हादसा मे दू गोटेक जान चलि गेल। जानकारीक अनुसार दू गोटे पटरी पार कय रहल छल जाहि समय ट्रेनक चपेट मे एलाक कारण ट्रेन सं कटि गेल।

    घटनाक बाद पटना साहिब जीआरपी अप्पन घटना स्थल पर पहुंचि गेल। मुदा ता धरि मृतकक परिजन मृतक के अप्पन संग लय जा चुकल छल। जीआरपी अहि बातक खोजबीन करबा मे जुटल अछि जे, घटनाक शिकार भेल लोक के छल।

    पुलिस आस-पासक इलाका मे खोजबीन मे जुटल अछि, जतय एक दिस पूरा रेल प्रशासन क्रिसमस के उत्सव मे लागल अछि ओतहि पटना साहिब स्टेशन पर ई दर्दनाक घटना लोक सं लोक मर्माहित अछि।