हाइवे पर ट्राॅमा सेंटर मे कयल गेल ऑक्सीजन प्लांटक उद्घाटन

0
1262

मिथिला मिरर-स्नेहा झाः राष्ट्रीय राजमार्ग संख्या 57 (एनएच-27) पर अररिया संग्राम मे अवस्थित मुरली भेदी झा सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र सह ट्राॅमा सेंटर मे रदिवदिन 500 एमपीएल क्षमताक ऑक्सीजन प्लांटक उद्घाटन बिहारक सूचना एवं जनसंपर्क सह जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झाक द्वारा कयल गेल। एहि अवसर पर मधुबनीक जिलाधिकारी अमित कुमार सहित मधुबनीक सिविल सर्जन सुनील कुमार झा सेहो उपस्थित छलाह।
संवाददाताक संग बातचीत करैत मंत्री संजय झा कहलनि जे हमरा नहि बूझल छजि जे मुजफ्फरपुर सँ पूर्णिया धरि हाइवे मे कोनो ट्राॅमा सेंटर हो। हाइवे छैक तँ दुर्घटना हैब स्वभाविक छैक आ दुर्घटना होइतो रहल अछि मुदा दुर्घटनाक स्थिति मे जखन पीड़ित केँ त्वरित उपचारक बेगरता रहैत छैक ताहि स्थिति मे दरभंगा मेडिकल काॅजेल एवं अस्पताल धरि लऽ जेबा मात्र मे गोल्डेन आवर समाप्त भऽ जाइत अछि। मंत्री कहलनि जे आॅक्सीजन प्लांटकेँ सुचारू भऽ जेबाक बाद आब 55 बेड पर पाइप सँ आॅक्सीजनक आपूर्ति 24 घंटा बहाल कयल जा सकत।
सिविल सर्जन सुनील कुमार झा मंत्री केँ ध्यानाकृष्ट कराबैत कहलनि जे जँ व्यवस्था कँ देल जाए तँ एहिठाम सँ जिला मे आन-आनठाम सेहो ऑक्सीजन केँ पहुँचायल जा सकत। सिविल सर्जन कहलनि जे वर्तमान मे 72 गोट पदक स्वीकृति राज्य सरकार सँ भेट गेल छैक आ भविष्य मे आओर भविष्य मे एहि ट्राॅमा सेंटर सँ एहि क्षेत्रक जनता केँ दुर्घटनाक स्थिति मे जीवन देबा मे मदद भेटत।