दरभंगाक सांसद गोपाल जी ठाकुर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ भेंट केलनि बाबा विद्यापतिक फोटो

0
5044

दरभंगाक सांसद प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ भेंट केलनि बाबा विद्यापतिक फोटो
दिल्ली-मिथिला मिररः दरभंगाक भाजपा सांसद गोपाल जी ठाकुर बुधदिन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सँ भेंट कए हुनका महाकवि बाबा विद्यापतिक फोटो देलनि। सांसद गोपाल जी ठाकुर प्रधानमंत्रीकेँ मिथिला पेंटिंग सँ सजल पाग-डोपटा आ मखान मालाक संग स्वागत कएलनि। एहि सँ पहिने गोपाल जी ठाकुर बाबा विद्यापतिक एहने फोटो पूर्व भाजपा अध्यक्ष आ गृह मंत्री अमित शाहकेँ सेहो भेंट कएने छलाह। सांसद ठाकुर लगातार एहि मांगकेँ उठाबैत रहला अछि जे संसदमे बाबा विद्यापतिक फोटो लगा मिथला-मैथिलीक मान बढ़ाओल जाए। अपन आधिकारिक फेसबुक पेज पर फोटो शेयर करैत सांसद गोपाल जी ठाकुर लिखलनि अछि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी मिथिलाक विकास लेल कृत संकल्पित छथि आ हुनका सँ जखन-जखन भेंट होइत अछि तँ ओ एहि बातकेँ दोहराबैत छथि।
सांसद आगू लिखैत छथि जे एहि भेंटघांटक दरम्यान ओ प्रधानमंत्री सँ दरभंगा आबि हवाइ अड्डा, एम्स, आइटी पार्क, तारा मंडल, एक्सप्रेस वे सहित अन्य केन्द्रीय परियोजनाक शिलान्यास एवं उद्घाटन करबाक आग्रह कयलनि। अपनेकेँ बता दी जे सांसद लगातार दरभंगा हवाइ अड्डाक नामकरण कविकोकिल बाबा विद्यापतिक नाम पर करेबाक लेल लागल छथि जकरा बिहार सरकार सेहो पूर्ण सहमति दऽ रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी मिथिला क्षेत्रक अपन सभ चुनावी सभाकेँ मैथिलीमे संबोधित करैत रहला अछि आ ओहिठाम सँ बाबा विद्यापतिक नामक उद्घोष सेहो प्रधानमंत्रीक द्वारा होइत रहल अछि। एहनमे प्रधानमंत्रीक हाथमे बाबाक फोटो देखि समस्त मिथिलावासी अवस्य गौरवान्वित भेल हेताक एहिमे कोन शंकाक गुंजाइश नहि।