मिथिलाक संस्कृतिकें चरितार्थ करैत छथि सीता : कुलपति सुरेन्द्र कुमार सिंह

    0
    266

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति प्रो. सुरेन्द्र कुमार सिंह शुक्रदिन कहलनि जे, धरतीपुत्री माता सीता मिथिलाक संस्कृतिकें चरितार्थ करैत छथि। हमरा सबके सांस्कृतिक क्षरण रोकबाक लेल कहि रहल छथि। कुलपति जानकी नवमीक अवसर पर विद्यापति सेवा संस्थानके तत्वावधानमे महाराजा महेश ठाकुर महाविद्यालयकें सभागारमे आयोजित मैथिली दिवस समारोहकें संबोधित कए रहल छलाह।

    कुलपति कार्यक्रमकें उद्घाटनक पश्चात माता सीताके बाया हाथमे शिव धनुष चित्रित करबा पर प्रशंसा व्यक्त करैत कहलनि जे, ऐहेन आकर्षक मूर्ति कम देखबाक भेटैत अछि, जे सबके अभिभूत करए। कुलपति मिथिलाक संस्कृतिक चर्चा करैत कहलनि जे, मिथिलाक सांस्कृतिक प्रसारक लेल भाषाक प्रसार अत्यंत आवश्यक अछि।

    ओतहि कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयके कुलपति प्रो. सर्वनारायण झा बतौर मुख्य अतिथि विचार व्यक्त करैत समय, संस्कृति, प्रकृति, जन्म आदिक संदर्भक व्याख्या करैत मिथिला आ अयोध्याक विस्तार सं चर्चा केलनि।

    अहि मौक़ा पर पूर्व विधान पार्षद प्रो. विनोद कुमार चौधरी, कमला कांत झा, डॉ. बुचरू पासवान आदि सेहो अपन विचार रखलनि। अतिथिक स्वागत संस्थानक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू केलनि। कार्यक्रमक संचालन अमलेन्दु शेखर पाठक केलनि। ओतहि मिथिला विश्वविद्यालयके प्रतिकुलपति प्रो. जयगोपाल कार्यक्रमक अध्यक्षता केलाह।