नेना-भुटकाक लेल स्वच्छताक विषय पर पोथी प्रकाशित केलक सूचना प्रसारण मंत्रालय

    0
    349

    दिल्ली-मिथिला मिररः प्रायः बहुत दिनसँ अहि बातक कटोच होइत छल जे सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा विभिन्न भाषामे मैगजीन प्रकाशित कैल जाइत अछि मुदा मैथिलीमे योजनाक प्रकाशन नहि होइत अछि। मुदा अहि बेर सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय भारत सरकारक प्रकाशन विभाग द्वारा स्वच्छताक विषय पर चारि भागमे बाल-बुतरू सबहक लेल बुझू जे मनोहर पोथी सन एकटा उतकृष्ट पोथी निकाललक अछि।

    अहि पोथीक प्रकाशन पूरा श्रेय योजना मैगजीनक संपादक ऋतेश पाठक केँ जाइत छन्हि। अगर हुनकर ई भागिरथी प्रयास नहि होइत तऽ निश्चित रूपहिँ ई स्वप्न साकार हेवामे आओर बेसी समय लागैत। बृहस्पतिदिन अर्थात 4 मई कऽ केन्द्रीय सूचना एवं प्रसारण मंत्री, भारत सरकार, एम. वेंकैया नायडूक हाथसँ अहि पोथीक लोकार्पण दिल्लीमे कैल गेल। डाॅ. मधु पंत कृत हिन्दी पोथी ‘‘स्वच्छ जँगल की कहानी, दादी की ज़ुबानी’’ मैथिलीमे (चिक्कन चुनमुन बऽनक कथा, दायक मुहेँ सुनल कथा) शिर्षकसँ प्रकाशित भेल अछि। अहि पोथीमे दाय/मैया छोट-छोट नेना-भुटका सबकेँ खिस्साक माध्यमसँ कोना स्वयं आ आस-पड़ोसकेँ स्वच्छ राखल जाए अहि विषय पर प्रेरित करैत छथि।

    अहि पोथीक अनुवाद कुल पंद्रह गोट भारतीय भाषामे कैल गेल अछि, जाहिमे ‘‘मैथिली आ संस्कृत’’ भाषाक अनुवादक जिम्मा ऋतेश पाठककेँ देल गेल छलनि। मैथिली भाषाक पहिल दू भागक पोथीक अनुवाद डाॅ. नीलिमा झा आ हँसराज काॅलेजकेँ अध्यापक डाॅ. रणजीत कुमार मिश्र कैलनि तऽ दोसर दिस तेसर आ चारिम खँडक  अनुवाद देशक प्रतिष्ठित हिन्दी दैनिकमे वरिष्ठ संवाददाताक रूपमे कार्यरत्त रौशन झा केलाह अछि। प्रत्येक खँडक पोथीक मुल्य 30 टका निर्धारित कैल गेल अछि।

    निश्चित रूपंिहँ ऋतेश पाठकक ई एकठा सार्थक डेग अछि जे ओ एहन तरहक कार्यकेँ करवाक लेल मंत्रालयमे अधिकारि लोकनिकेँ मनेलाह। योजनाक संपादक कहैत छथि जे अहि पोथीक बात जल्दिये 8-9 टा अन्य विषय पर शीघ्रे पोथीक प्रकाशन करवाक लेल मंत्रालयमे बात करब। ऋतेष पाठक सहित अहि पोथीक निमार्ण आ संपादनमे सहयोग देनिहार समस्त व्यक्तित्वकेँ मिथिला मिरर टीम दिससँ कोटि सह बधाइ!