10 सालक बच्चा बचेलक चारि टा लड़की के जान

    0
    275

    जहानाबाद, मिथिला मिरर: बिहार के जहानाबाद मे 10 सालक एकटा बच्चा के बहादुरीक खिस्सा सबहक जबान सं सुनाइत अछि। विपिन नामक ई बच्चा अप्पन जानक बाजी लगा कय नदी मे डूबि रहल चारि टा लड़की के जान बचेलक।

    घटना जहानाबाद ज़िलाक शकुराबाद थाना क्षेत्रक गोपालपुर गामक अछि। गाम के लगे मे नदी मे नहाई लेल गेल लड़की सब पानिक तेज धार मे अचानक डूबय लागल, ओतहि ठाढ़ विपिन नदी मे छलांग लगा देलक आ सब लड़की के एक-एक कय नदी सं बाहर अनलक।

    हालांकि दू टा अन्य लड़की नदीक तेज धार मे बहि गेली, जाहि सं दुनूक मौत भय गेल। इलाका के एसडीएम विपिन के अहि बहादुरीक लेल विपिन के सम्मानित करबाक बात कहलनि।