बिहार बोर्डक सब छात्र के बनाबय पड़त आधार कार्ड

    0
    269

    पटना, मिथिला मिरर: शनिदिन संपन्न भेल बिहार बोर्डक बैसक मे बोर्ड इंटर परीक्षा के लय क एकटा अहम फैसल केलक अछि। बोर्ड इंटर के छात्र के परीक्षा फॉर्म भरबाक लेल आधार कार्ड के आवश्यक करय जा रहल अछि।

    बोर्डक निर्णय के अनुसार यदि कोनो छात्रक आधार कार्ड नहि रहत त ओहि छात्र के परीक्षा फॉर्म भरबा सं वंचित कय देल जायत। संगहि परीक्षा पद्धति आ बोर्डक काज मे पारदर्शिता रखबाक लेल सब छात्र के लेल अलग-अलग डिजिटल लॉकर बनाओल जायत।