राजदेव हत्याकांडः लड्डन मियांक समर्पण राजनीतिक दाव आ कि पुलिसिया नाकामी ?

    0
    360

    दिल्ली-मिथिला मिररः दैनिक हिन्दुस्तानकें सीवान ब्यूरो प्रमुख राजदेव रंजन हत्याकांडक मुख्य आरोपी आ राष्ट्रीय जनता दलक राष्ट्रीय टीमक हिस्सा आ पूर्व बाहुबली सांसद शहाबुद्दीनक खासम-खास लड्डन द्वारा सीवान केर सीजीएम कोर्टमे कैल गेल आत्मसमर्पण बहुत रास गंभीर प्रश्न ठाढ़ करैत अछि। एक दिस अहि हाई-प्रोफाइल मर्डर केसमे सब किछु सामने हेवाक बादो बिहार पुलिस करीब 1 मास सं बेसीक अंतरातमे लड्डन मियांकें गिरफ्तार नहि कऽ सकल आ आब स्वयं लड्डन मियां द्वारा कोर्टमे समर्पण कय अहि बातक संकेत दय देल गेल बिहार पुलिसक कोन तरहक छापामारी चलि रहल छल।
    सब सं महत्वपूर्ण बात त इ जे पैछला कतेको दिन सं अहि घटनामे फरार चलि रहल लड्डन मियां आत्मसमर्पणक बाद स्वयं कें निर्दोष बता रहल अछि। हालांकि लड्डन मियांक मानी त ओ राजदेव कें चिन्हैत छल आ जान-पहचान सं बेसी ओ अहि विषयमे किछु नहि जनैत अछि। आब सीवान पुलिस लड्डन मियांकें रिमांड पर लेवाक लेल तैयारी कऽ रहल अछि। सीवानक एसपी सौरव शाह केर कहब छन्हि जे अहि मैमलामे बहुत दिन अनुसंधान चलि रहल अछि आ लड्डन केर समर्पण सं जांचमे आओर बेसी तेजी आएत। अहि पूरा मामलामे पुलिस चाहे जे कोनो दलील दैत हो मुदा इ पूरा प्रकरण कथित रूप सं राजनीतिक मास्टर माइंड द्वारा रचल-गढ़ल नजैर आबि रहल अछि।