अवैध मिनीगन फैक्ट्रीक भंडाफोड़, पांच टा हथियारक संग छह गोटे गिरफ्तार

    0
    303

    मुंगेर, मिथिला मिरर: बिहार के मुंगेर जिलाक मुफस्सिल थाना अंतर्गत सिरमतपुर बगान मे संचालित एकटा अवैध मिनी गन फैक्ट्री के भंडाफोड़ करैत पुलिस पांच टा अवैध हथियारक संग छह गोटे के गिरफ्तार केलक अछि।

    पुलिस अधीक्षक आशीष भारती कहलनि जे, गुप्त सूचनाक आधार पर कायल गेल अहि कार्रवाई मे गिरफ्तार कायल गेल मे मो. बदरुद्दीन, राहुल यादव, सोनू यादव, मोनू यादव, मो. जावेद आ मो. फैयाज शामिल अछि।

    ओ कहलनि जे, उक्त मिनीगन फैक्ट्री स पुलिस 4 टा पिस्तौल, एक टा दोनाली बंदूक, 78 टा कारतूस आ हथियार बनाबय बला अन्य उपकरण बरामद केलक अछि।