बिहारमे सेहो ‘वीआईपी कल्चर’ प्रतिबंधित, राज्य सरकार केलक अधिसूचना जारी

    0
    327

    पटना, मिथिला मिरर: केंद्रीय मंत्रिमंडलकें निर्देशक बाद आब बिहारमे सेहो सरकारी गाडी सं लाल आ नीली बत्ती हटाओल जा रहल अछि। अहि संबंधमे मंगलदिन राज्य सरकार अधिसूचना जारी कए देलक।

    अहि अधिसूचनाक अनुसार बिहारमे सेहो आब वीआईपी सिंबल मानल जाए वला लाल आ बुल्लू बत्तीक उपयोग गाडी पर नहि होएत। वीआईपी कल्चरकें समाप्त करबाक लेल केंद्रीय मंत्रिमंडलक निर्देश पर बिहार सरकार ई आदेश जारी केलक अछि।

    अधिसूचना जारी होइतहि राज्यमे आब लाल आ बुल्लु बत्तीक प्रयोग नहि कएल जा सकत। राज्य सरकारक दिस सं जारी अधिसूचनामे विशेष परिस्थितिमे अहि बत्तिक प्रयोग करबाक बात कहल गेल अछि। गाड़ी सं बत्ती हटेबाक संबंधमे सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय सं भेटल अधिसूचनाकें मंगलदिन बिहार सरकार लागू कए देलक।